जागरुकताके अभावमे हृद्यरोग बढ़ैतःडा.शाह

विश्व हृद्य दिवसमे पार्वती हार्ट सेन्टरव्दारा निःशुल्क उपचार

२०८० आश्विन १३, शनिबार १०:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal

  • 12
    Shares
simanchal
‘पार्वती हार्ट सेन्टरके संस्थापक एवं सञ्चालक बरिष्ठ हृद्य रोग चिकित्यसक प्रोफेसर डा.रामकिशोर शाह, डा.निश्चल शाह । चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

जनकपुरधाम । विश्वव्यापी हृद्यरोग उन्मूलन दिवसके अवसर पर मिथिला नगरि जनकपुरधामके पहिल ह्ृद्यरोग निवारणमे लागल नीजी अस्पताल निःशुल्क उपचार एवं दवाई बितरण करब काज कएलक ।

 

जनकपुरधाम वार्ड नं.९पीराड़ीचौक लगमे सञ्चालित ‘पार्वती हार्ट सेन्टर’व्दारा विश्व हृद्य रोग दिवसके अवसर पर निःशुल्क उपचार, जाँच एवं दबाई वितरण करब काज कएलगेल छै ।

 

हृद्यरोगके बारेमे जमाजमे जागरुकता आबक चाही, जेकर बेसी जरुरी छै । सेन्टरके संस्थापक एवं सञ्चालक बरिष्ठ हृद्य रोग चिकित्यसक प्रोफेसर डा.रामकिशोर शाह बतौलाह ।

 

शिक्षित वर्गमे हाइ ब्लडप्रेसर, डाइभिटिज, -मद्यपान, अनियमीत जीवनशैली, रोगक मुख्य कारण बनैत जारहल छै । ग्रामिणक्षेत्रमे तम्बाकु-खैनीके प्रयोग, धुम्रपानके सेवन, नीशापानिके लत आ समय पर जाँच पड़ताल नइ कराएब । स्वास्थ्य सुधारप्रतिके उदाशिनतास’ रोग बढ़ैत जारहल छै ।

 

एहि हेतु सामाजिक सचेतना, समाजमे जागरुकताकेँ अधिक जरुरी छै । समय-समय स्वास्थ्य परिक्षण हृद्यरोगके जाँच कराबैत रहक चाही । सेहो सुझाब प्रो.डा.राम किशोर शाह दैत छैथ ।

 

simanchal
सिबिरमे लोककेँ जाँच पड़ताल करैत सहायकसभ । चित्रःनागवंशी-सीमाञ्चल ।

 

हृद्य रोगके समस्या समाजमे जाहि तिब्रतास’ बढ़ैत जारहल छै । ओहिके देखैत मधेश प्रदेशके राजधानी जनकपुरधाममे पुरा सुविधा सम्पन्न व्यवस्था नइ छै । एहि लेल बाहर जाय पड़ैत छै ।

 

अस्पताल छै, दक्ष चिकित्यसक सभ सेहो एक पर एक छै । मुदा प्रारम्भिक उपचारलेल छै । सम्पूर्ण उपचार लेल एतह ‘कैथल्याब’ होनइ अति आवश्यक छै । ओकर व्यवस्थापन कएल जाय पर प्रोपेसर डा.शाह जोर देलाह ।

 

हृद्य रोगस’ बाँचब लेल कोलस्टोलके लेबल, हायपोटेन्सन, प्रेशर, डाइभिटिज एहिके नियन्त्रणमे राखब अति आवश्यक होइत छै । एहिलेल चिकित्यसके परामर्शमे नियमीत औषधि खाइत रहक चाही ।

 

नइ त’ शारीरिक अन्य बेमारी संगेसंग हृद्य रोग बढैत जाएत, ताहिप्रति समाजमे जागरुकताके बेसी दरकार छै । पार्वती हार्ट सेन्टरके सञ्चालनके दायित्व अखनु बहन करैत आएल हृद्यरोग विशेषज्ञ डा.निश्चल शाह सिबिरमे लोककेँ जाँच पड़ताल करैत सीमाञ्चल समदियाके बतौलाह ।

 

हृद्यरोगके निःशुल्क जाँच उपचार सिबिरमे हाइपोटेन्सनके कारण हृद्य प्रभावित भेल ३० डाइभिटिजस’ प्रभावित-२०,कोस्टालस’-३० एवं हृद्य रोगस’ ग्रसित लोक-७ सहित ई समाचार लखिबधैर कूल १२० गोटे हृद्य रोगके मंगनिय परिक्षण करौने छल,सेहो जनतब भेटल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया