जनकपुरधाम । संशोधित नागरीकता विधेयक प्रमाणिकरण नइ क’क’घुरता पठौला पर, मिथिला नगरि जनकपुरधामके जनकचौकमे राष्ट्रपतिके धूवा दहन कएलगेल छै ।
जनता समाजवादी पार्टीके स्थानीय नेता तथा कार्यकर्तासभ मीलक गणतान्त्रिक नेपालके पहिल महिला राष्ट्रपति श्रीमति विद्यादेवी भण्डारीके धूवा दहन कएने छै । जसपा समबद्ध कार्यकर्तासभ उतेजित नारा लगबैत आक्रोषपूर्ण अवस्थामे राष्ट्रपति भण्डारीके त्यागपत्र समेत मांग करैत, हुनक फोटोमे सेहो आइग लेशक डाहब काज कएलक ।
बचाबमे उतरल सुरक्षाकर्मीसभ अनेक प्रयास कएलक मुदा फोटे सेहो डाहबस’ रोइक नइ सकल छलाह । आइगक धिंधोरा मीझाब लेल प्रयास कएला पर एकटा सुरक्षाकर्मीके देहमे आइग समेत पकैर लेलक मुदा ओ अपन गदगर पोशाक पहिरनके ओजहस’ झरकबस’ बाँचिगेलाह ओ प्रहरीस’ जनतब भेटल ।
कानुनी राज्य व्यवस्थामे कानुनके मर्यादा पालन करब काज होबक चाही । ओकर उपायोग कानुनी हिसाबस’ खोजल जाय चाही । राष्ट्र प्रमुखके धूवा दहन करब संसारमे नीक सन्देश नइ जाएत बुझनीक लोकके कथन छल । मुदा नागरीकता सन सम्बेदनशील विषयमे गम्भिर नइ रहल दल जनहितके पक्षमे उतरल बात जसपा सम्बद्ध बिष्णुदेव साह बतौलाह ।
संसदस’ पारित क’क’ सभामुखके हस्ताक्षर सहित संशोधित नागरिकता विधेयक संवैधानिक व्यवस्था अनुसार राष्ट्रपति समक्ष प्रमाणित करब हेतु पठाओल गेल छल । जे विधेयक कानुनी प्रावधान अनुसारे रविदिन संसदमे पुनरविचार हेतु पठाओल गेल छल ।
जाहि पर बिरोधक स्व्रर मुखरीत भेल छै । आगा अगहन-४ गते संघीय संसदके निर्वाचनक तिथि तय भेल छै । मुदा विहिन मधेश केन्द्रित दलके अहि बहन्ने एकटा मुद्दा भेटगेल जे चुनावी बैशाखीमे सहारा भेटत ।
धूवा दहनमे जसपा नेता बिष्णुदेव साह, मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके स्वकीयसचिव जितेन्द्र यादव, युवा नेता नविनकुमार यादव, मुन्जे राउत सहित सयौ कार्यकर्ता सामेल छलाह । चित्रश्रोतःपुरण गुप्ता
प्रतिक्रिया