सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मीठरस हँसपुर नगरपालिका अन्तर्गत रहल बसल लोकके स्वच्छ जल पीब लेल एवं कृषि जन्य उत्पादनके सिंचित करब लेल हरेक वार्डमे एकटा डिप बोरिङ्ग निर्माण करब योजना राखल गेल छै । ओहि योजना मुताविक १ स’ ९ वार्ड धैरमे बोरिङ्ग गाड़ब काजके श्रीगणेश सोमदिन कएलगेल छै ।
हँसपुर नपाव्दारा आइ वार्ड नं.१मे स’ डिप बोरिङ्ग गाड़ब काजके भूमिपुजन सहित शिलान्यास करब काज शुरु कएलगेल । मेयर रामज्ञान मण्डल डिप बोरिङ्गकेँ शिलान्यास प्रमुख अतिथिके रुपमे एकसमारोह बीच वार्ड नं.१मे कएलाह । ओहि अवसर पर वार्ड अध्यक्ष उदयकुमार सिंह, जसपा युवा नेता रमणकुमार सिंह सहित स्थानीय भद्र बुद्धिजीवीसभ सेहो सामेल छलाह ।
जल जीवनस’ जुरल रहने जलशुद्धि एवं उपलब्द्धता महत्वपूर्ण विषय छै । मानव लेल मात्रे नइ हरेक प्राणीलेल ताहि बातके बिचार करैत मेयर मण्डलके प्रयासस’ एहन योजना हँसपुरमे शुरु भेल छै । हरेक वार्ड सिंचित होए आ हरेक टोलमे शुद्ध सवदगर मीठरस जल सर्व साधारणके सहजतापूर्वक उपलब्द्ध होइत रहे ओकर व्यवस्थापन कएलगेल छै ।
डिपबोरिङ्ग साधारण नइ ४ सय स’ सात सय फीटधैरके गहँराइ धैरकेँ होएत । जाहिस’ नीक पानि पीब जोकर आ कृषि जन्य उत्पादन जोकर प्रयोगमे आब सकैए । ओहि लेल विज्ञसभकेँ अनुसार ठाउँ अनुसार गहँराइ कायम क’क’ बोरिङ्ग गाड़ब काज पुरापुरी नपाके रेखदेखमे होएत सेहो जनतब मेयर मण्डल अपन सम्बोधन मादे देलाह ।
प्रतिक्रिया