जन्मसिद्ध नागरिक, नागरिकतालेल प्रशासन कार्यालय घेरलक

२०७७ फाल्गुन १३, बिहीबार १४:००
सीमाञ्चल समदिया

  • 24
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जन्मके आधार पर नेपाली नागरिकता प्राप्त लोककेँ सन्तानसभकेँ नेपाली नागरिकता शिघ्र प्रदान कएल जाए लेल स्थानीय प्रशासन कार्यालयकेँ आइयो घेराउ कएलगेल ।

समाजिकक्षेत्रमे कार्यरत् सोडेप नेपाल नामक संस्था अन्तर्गत कायम कएलगेल ‘जन सरोकार मञ्च’व्दारा जिला प्रशासन कार्यालय धनुषाके घेराउ कएलगेल छै । २०६४ सालमे नागरिकता विहिन लाखो लोककेँ जन्मके आधारमे सेहो नेपाली नागरिक्ता प्रदान कएल गेल छल ।

दू दशक पछाइत ओहन लोककेँ धीयापुता सेहो बालिग भगेल छै मुदा हुनकासभकेँ नेपाली नागरिकता दिअ पर रोक लागल छै । संबैधानिक अधिकार प्राप्त होइतो ऐन-कानुन नइ बनल रहलास’ अनागरिक रुपमे जन्मसिद्ध नागरिककेँ सन्तानसभ जीबैत आएल छै ।

नागरिकता नइ भेने कतहु कोनो काज लेल आवेदन नइ कसकैए, पासपोर्टे नइ बनाब सकैए, बिदेश कमाय नइ जासकैए, जग्गह जमीन नइ कीन बेसाहि सकैए, घर दुवार नइ बनाब सकैए ।

अइतरहें नागरिक अधिकारस’ लोक बञ्चित रहैत आएल छै । तैँ ओहन लोकसभकेँ जमात कायम कए जनसरोकार मञ्च चरणबद्ध आन्दोलन करैत आएल छै ।

स्थानीय प्रशासन मादे सरकारकेँ ध्यानाकर्ष कराक शिघ्रतास’ जन्मसिद्ध नागरिकता प्रापक सन्तानसभकेँ नेपाली नागरिकता प्रदान कएल जाय लेल बृहस्पतिदिन नगरमे प्रदर्शन करैत स्थानीय प्रशासन कार्यालयमे धर्ना घेराउ कार्यक्रम कएलगेल । ओ जनतब जनसेवक सत्यनारायण साह देलाह । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया