सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेके स्थायी कमिटी सदस्य, प्रदेश-२के इन्चार्ज एवं नेपाल सरकारके उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री रघुबीर महासेठकेँ अपन जन्मधर्ती पर स्वागत सम्मान कएलगेल छै ।
धनुषा जिलाके मिथिलेश्वर मौवाही गाममे जन्मल नेता महासेठकेँ मिथिलाबिहारी नगर पालिकाके तत्वाधानमे एवं नपाके मेयर अनिल कुमार यादवके अगुवाईमे उपप्रधानमन्त्री महासेठ एवं हुनक श्रीमति पूर्वमन्त्री जुलीकुमारी महतोकेँ सेहो सम्मान कएलगेल छै । आइ
शनिदिन भोरमे दशबजेके ओनपोनमे अपन पैतृक गाम पुंगला पर हर्षित गौवाँसभ फूलमाला पहिराक स्वागत कएलैथ ।
मन्त्री महासेठके जन्मस्थल एवं पूर्वमन्त्री जुलीकुमारी महतोके ससुराइर गाम हाल मिथिला बिहारी नपा वार्ड नं.३
अधिन मिथिलेश्वर मौवाही पड़ैत छै । गाम पुंगला पर स्थानीयसभ डेग-डेग पर सम्मान करैत देखल गेल ।
अहितरहें पार्टीके जिला कार्यालय धनुषाव्दारा जनकपुरधाममे नेता कार्यकर्तासभ शुक्रदिन सेहो मन्त्री महासेठकेँ स्वागत सम्मान कएलक ।
नेता महासेठ मन्त्री कतेको बेर बनल छैथ । मुदा पहिल उपप्रधानमन्त्री बनला पर गृहजिला धनुषावासी हर्षित छै तैँ पार्टी जिला नेतृत्व हुनका आगमन पर सम्मान काज कएलक । शाल ओढाक माला पहिराक मन्त्री महासेठकेँ एवं निवर्तमान महिला बालबालिका एवं जेष्ठ नागरिक मन्त्री महतोकेँ सम्मानित कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया