जनहितलेल गायक शर्मा वार्डअध्यक्षके दौड़मे

२०७९ बैशाख २२, बिहीबार १८:५५
सीमाञ्चल समदिया

  • 288
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । स्थानीय निर्वाचन होबमे आब मात्र सात दिनके समय शेष रहिगेल छै । अपन-अपन पक्षमे जनताके मत दिअलेल उम्मेदवारसभ विभिन्न मादे प्रभावित कए रहल छैथ ।

अहि क्रममे धनुषा जिलाके औरही गाउँ पालिका अन्तर्गत वार्ड नं.४मे वार्ड अध्यक्षके सबल सक्षम पढ़ल-लीखल बुझनिक युवा उम्मेदवारके रुपमे रञ्जित कुमार शर्मा सेहो चुनावी प्रतिस्पर्धामे छैथ ।

औरही वार्ड नं.४मे विभिन्न दलके उम्मेदवारसभ मीलाक एक गण्डा(पौन दर्जन) जतेक उम्मेदवर चुनावी मैदानमे उतरल छैथ । जाहि मादे रञ्जित स्वतन्त्र रुपमे  अपन उम्मेदवारी देने छैथ आ लोकक सिनेह पाइब रहल छैथ !

समाजक होनहार एवं गायीकीक्षेत्रमे अपन पहिचान सेहो बना चुकल छैथ । ल्याब टेक्निशियनके रुपमे प्याथोलेजिक क्षेत्रमे समेत जीविका चलाब लेल काज करैत आएल छैथ ।

राजनीतिस’ साफे सम्बन्ध नइ होइतो समाज परिर्वतनके आकांक्षासंग वार्डके विकास एवं वार्डवासीके हरेकक्षेत्रमे सुधार, विकासके संकल्पसंग रञ्जीत अपन उम्मेदवारी देने बतबैत छैथ ।

औरही गापाके वार्ड नं.४मे कूल १६७१ गोटे मतदाता रहल छैथ । जाहि मादे हुनक समुदायके संख्या सेहो आशान्वित कर जोगर छै । मुदा उम्मेदवार अधिक छै ।

नेकाँस’ जिनिशलाल मण्डल, नेकपा एमालेस’ शरण मण्डल, नेकपा माओवादी केन्द्रस’ जुगेश्वर यादव, जसपास’ लक्ष्मी मुखिया, लोसपास’ अनिल साह, जनमत पार्टीस’ नागेश्वर महतो, नेकपा एसस’ गौड़ी मण्डल एवं स्वतन्त्र उम्मेदवारके रुपमे रञ्जित शर्मा चुनावी प्रतिस्पर्धामे उतरल छै ।

उल्लेखित उम्मेदवारसभमे एकगोटे एसएलसी बाहेक प्रायः सभ समान्य लेखपढ़ करएबाला लोक छै । मुदा स्वतन्त्र उम्मेदवारी देने रञ्जित बैचलर डिग्री धारी विकासप्रेमि युवा छैथ ।

औरही वार्ड वासीके समक्ष सुच्चा सेवक बैनक सेवा करब हेतु होनहार, इमान्दार, पढ़ल लीखल लोक आगु आएल छै । दरकार छै वार्डवासी अपन उदारताके परिचय दए । रञ्जित शर्मासन युवाकेँ वार्ड नेतृत्व स्वीकार करे त’ सोकजगर रहत ।

 

सन्देशात्मक सूचना——

सन्देशात्मक सूचना——

उपमेयरके उम्मेदवार किशोरी साहकेँ चुनावी सन्देशात्मक सूचना——

सन्देशात्मक सूचना——

मेयरके उम्मेदवार मनोज चौधरी, साइकिल छाप !

सन्देशात्मक सूचना——

मेयरके उम्मेदवारःजानकीराम साह । लालटेन छाप .

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा ३मे, ६.३० बजेके टटका मत परिनाम ।
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १९:१३
सीमाञ्चल समदिया