जनताके प्रत्यक्ष निगरानी कर्ता प्रहरी सार्वाधिक संक्रमीत

२०७७ भाद्र १०, बुधबार ०१:५५
सीमाञ्चल समदिया

  • 12
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । कोराना महामारीकेँ चपेटामे सुरक्षाकर्मीसब सेहो आइब गेल छै । जनतासंगे प्रत्यक्ष सरोकार रखनिहारसब मादे प्रहरी अग्रतामे रहैत छै । हरेक विसम् परस्थितीमे खटैत आएल प्रहरी कर्मचारीसब मात्र प्रदेश दूमे १ सय २६ गोटे संक्रमित भेल छै ।

प्रदेश दूके प्रदेश प्रहरी कार्यालयस’ जनतब भेटल अनुसार तराईक्षेत्रकेँ जिलामे सर्वाधिक संक्रमित सिरहा, पर्सा आ सप्तरीमे रहलछै। प्रदेश-२के सिरहा जिलामे ४०, पर्सामे ३९ एवं सप्तरीमे २४ गोटे विभिन्न तहकेँ प्रहरी अधिकारी, कर्मचारी कोरोना संक्रमणकेँ सिकार भेल छै ।

संक्रमीत हुअबाला प्रहरी अधिकारी कर्मचारीसभमे प्रहरी नायब उपरिक्षक(डिएसपी)-१, प्रहरी निरिक्षक(इन्सपेक्टर)-२, प्रहरी नायव निरिक्षक(सब-इन्सपेक्टर)-७, प्रहरी सहायक निरिक्षक(असिस्टेन्ट सब-इन्सपेक्टर)-१३,गोटे कोरोना संक्रमित भेल छै ।

तहिना २७ गोटे प्रहरी हबलदार, ७० गोटे प्रहरी जवान एवं ६गोटे प्रहरी सहयोगी सेहो कोरोना संक्रमीत भेल छै । संक्रमीत सभकेँ प्रदेश अन्तर्गत विभिन्न अस्पतालके आइसोलेशन सेन्टरमे निगरानीमे एवं प्रहरी कार्यालयसभमे रहल कोरेन्टाइनमे राखल गेल छै ।

बिभिन्न घटना सम्बन्धमे सूचना दिअ आबबालासभ, विभिन्न अपराध मुद्दामे थुनुवामे रहल सभसंगे सम्बन्धितसभकेँ अभिभावक,अधिवक्ता आदिसभ भेट करए आबबालासभ रहने हुनकासभके मादे प्रहरी अधिकारी आ कर्मचारी सभमे कोभिड-१९केँ संक्रमण पटल हुअ सकैए; एहन अनुमान प्रहरी कएने छै ।
कोरोना संक्रमीत/‘पोजेटीव’ भेलहा प्रहरीसभ मध्ये मंगल दिन-९गते धैर ७७ टा प्रहरी कर्मचारी कोरोना संक्रमणस’ मुक्त भ’क’ अपन-अपन घर काम पर सेहो घुरल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया