सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । स्थानीय निर्वाचनमे एहिबेर मिथिला नगरि जनकपुरधामके जनता लग बहुतराश उम्मेदवारी बिकल्प छै । मतदाताके आनबेर जकाँ बाध्यकारी अवस्था नइ छै दलेकेँ उम्मेदवारेकेँ भोंट दिही पड़तै तेहन सन !
किएक त’ एहिबेर एकस’ एक नीक, कर्मठ लोक स्वतन्त्र रुपमे अपन उम्मेदवारी देने छैथ । आनबेर जकाँ दलेकेँ अधिकांश उम्मेदवार होइत छल । ओहिमेस’ नीककेँ खोइजक मत दिअकेँ बाध्यता रहैत छल ।
ओना आनोबेर स्वतन्त्र लोक उम्मेदवारी दैत छल मुदा ओ स्वतन्त्र प्रयाः दलस’ फिक्का होइत छल । एहिबेर पाँच दलीय गठबन्धनके ओजहस’ दलीय उम्मेदवारसब कमजोर एवं स्वतन्त्र उम्मेदवारसब बलगर बुझाइत छै ।
बैचारिकरुपमे, इमान्दार, जनसेवक,धनपति,विचारवान,चरित्रवान, उम्मेदवारसभ दलीय दलदलस’ उइबक, दलसभकेँ अगुवासभकेँ कृयाक्लाप एव देशजनताके नाममे मनपर्दी नीति लादब काजस’ बिक्षसुद्ध भ’क’ दल त्याइगक बहुतराश स्वतन्त्ररुपमे उम्मेदवारी देने छैथ । ओहने उम्मेदवारसभ पर जनताकेँ उमेद बनैत जारहल छै ।
स्वतन्त्र उम्मेदवार बलराम महतो——
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकामे मेयर उपमेयर वार्डअध्यक्ष समेतके पदपर दलीय उम्मेदवारस’ नीमन जनप्रीय निष्ठावान स्वतन्त्र उम्मेदवारसभ चुनावी प्रतिस्पर्धामे उतरल छैथ । आब चुनौती जनकपुरधामवासी लग छै ।
जनकपुरीया नेक लोककेँ छै । एहिबेर कोनो बहन्ना नइ छै फंल्ला आ पंmल्ला सब दल तेहने उम्मेदवानर देलक आ स्वतन्त्रमे तलगर लोक सेहो नइ खाड़ छै । ओहन नइ कह सकैए ।
किएक त’ धनपति,पढुवा, उदारवादी, सोझिया, विकासप्रेमी, क्षुद्र राजनीतिस’ कनेको लैस नइ राखबाला समाजसेवी बलराम महतो सन लोक मेयरलेल स्वतन्त्र उम्मेदवारी देने छैथ ।
जनकपुरधामके कायापल्ट करब संकल्पणासंग नगरके वार्ड-वार्ड, टोल-टोल घुइम जनताके घर देहरी पर मत मांग लेल जारहल छैथ ।
बाताअनुकूलित वातावरणमे रहबाला एहन लोक रौत-बसातकेँ पीड़ा खेपैत सत्ये जनकपुरके विकास, जनताके उसास, सांस्कृतिक पुनरउत्थान एवं पहिचानमुखी धरोहरकेँ स्थायीत्व पहिचान हेतु काज करबलेल महतो अग्रसर भेल छैथ ।
एहन स्वतन्त्र महावीरकेँ जौ जनता नइ चुनत त’ केकरा चुनत ! एहिबेरके ई अवसर जनकपुरधामबासी नइ गुमाओत आ कोनो बहन्नामे दलीय ढोलकीयाकेँ भ्रमजालमे पैरक अवसर नइ गमाब सकैए जनकपुर-जनकपुरके लोक, एतेक सचेत त’ छै आ सचेत रहक चाही ।
नेकाँत्यागि स्वतन्त्र उम्मेदवार मनोज साह——
गठबन्धन दल सहित आनोआन दलके उम्मेदवार अपन अपन जनपतियार बनाबमे लागल छै । मुदा स्वतन्त्र उम्मेदवारकेँ उम्मेदबेसी बुझा रहल छै ।
ओना चुनावी नतिजा ३०गतेकेँ मतदान पछाइत आएत ओहिस’ सबबात प्रष्टाइए जाएत । स्वतन्त्र उम्मेदवारमे जोशगर, होशगर, विकासवादी एवं समाजसुधारक मनोज साह सन युवा, मेयरमे खाड़ भेल छैथ ।
जनता हिनको चुन चाहे त’ चुन सकैए निके लोक छैथ ।
स्वतन्त्र उम्मेदवार जानकीराम साह——
समाजमे प्रतिष्ठित युवा राजनीतिकर्ता जानकीराम साह सेहो स्वतन्त्रस’ जनकपुरधामके मेयरमे उम्मेदवारी दर्ज करौने छैथ ।
जनकपुरधाम वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष रुपमे जनसेवा क’क’ लोकप्रीयता प्राप्त कएने परिवर्तनकामी युवा नेता छैथ ।
जनकपुरधामके रैथाने परिवारस’ सम्बद्ध कर्मवीरके सेहो जनकपुरबासी मेयरमे चुनसकैए । ‘एक दल त्याग क’क’ दोसर दलमे गेल, तैयौ वन नइ बैसला’ पर स्वतन्त्र भगेल !
स्वतन्त्र उम्मेदवार दिनेश पूर्वे——
जनकपुरधाममे करिब सात अरबके लगानीबाला जनकदुलारी राष्ट्रियविभूति सीताकेँ पहिचानमुखी विश्वस्तरके स्टेडियम निर्माणके परिकल्पणासंग दिनेश पूर्वे मेयरके स्वतन्त्र उम्मेदवारी देने छैथ ।
राम-जानकीके संगेसंग जनकपुरधामकेँ पहिचान मान लेल अग्रसरता देखौने युवा पूर्वे मधेश आन्दोलनके अगुवाइकर्ता मादे एक छैथ ।
स्वतन्त्र उम्मेदवार सेवक बैजनाथ साह——
दोसरके दुखःके अप्पन दुःख बुइझके समस्याके समाधानिक उपायकर्ता बैजनाथ साह सन सेवक मेयरके चुनावी रेसमे दौड़ लगा रहल छैथ । हिनको लोक ध्यानमे राख सकैए । एकर अतिरिक्तो कतेको मेयरकेँ आकांक्षी स्वतन्त्रस’ खाड़ छै ।
प्रतिक्रिया