जनकपुरधाम वार्ड नं.२३मे स्वतन्त्र युवा राघवेन्द्र साह १९४ मतस’ जीतल

२०७९ जेष्ठ ५, बिहीबार ०२:४०
सीमाञ्चल समदिया

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३के वार्डअध्यक्ष पद मे २५वर्षके स्वतन्त्र  युवा उम्मेदवार राघवेन्द्रप्रसाद साह दलीय उम्मेदवारसभके हरबैत विजयी भेलाह ।

वर्षोस’ नेपाली काँग्रेसस’ आबध्द राघवेन्द्रके अन्तिम समयमे काँग्रेस आधिकारिक रुपस’ टीकट नइ देलक । जाहिके बिरोधमे जनताके मांग पर राघवेन्द्र नेकाँ त्याग क’क’ स्वतन्त्र उम्मेदवारी घोषणा कएलक ।

अखनु आएल मतगणना परिणाम अनुसार भुइकटहर छापमे अपन प्रतिस्पर्धीस’ १९४ मत अधिक लाइबक वार्डअध्यक्षमे राघवेन्द्र विजयी भेलाह ।

सुनल गेल छल १७ लाख टाकामे वार्ड अध्यक्षके टीकट वार्ड नं.२३के काँग्रेसी जिला नेतृत्व बेचने छल । जे लोक किनलक हुनका जनता नकाइर देलक ।

समाजिक कार्यमे रुचि रखैत अपन वार्डमे काज करैत आएल छलाह लोकबीच चर्चामे रहैत आएल राघबेन्द्र प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी बरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपालीके छोट पुत्र छैथ ।

कूल ९०५ मत राघवेन्द्र के प्राप्त भेल छै । हिनक निकटतम् प्रतिस्पर्धी लोसपा नेपालस’ रामनन्दन साह छैथ । गत बैशाख-३०गते भेल स्थानीय निर्वाचनमे रामनन्दनके पक्षमे जनता मात्र ७०९ मत देने छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया