जनकपुर निवासी बैज्ञानिककेँ अमेरिकामे ४लाख डलरके सम्मान

२०७८ भाद्र ३०, बुधबार ०५:१५
सीमाञ्चल समदिया

  • 122
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मिथिला नगरि जनकपुरधामके सपुत सात समुद्र पार अपन गुण विशेषताके परिचय दैत नगद रकम सहित प्राप्त कए सम्मानित भेलाह । जाहिस’ देश-प्रदेशके नाम समेत उजागर भेल छै जाहिपर हमरासभकेँ गौरव करक चाही ।

त्रि.वि.केन्द्रीय भौतिकशास्त्र विभागमे प्राध्यापक रुपमे समेत काज कए चुकल जनकपुरधाम निवासी बैज्ञानिक डा.रामबाबु यादव अमेरिकाके राष्ट्रिय बिज्ञान प्रतिष्ठान(एन.एस.एफ-NSF) द्वारा दूटा नव अनुसन्धान काज लेल $ 429706. रकम अनुदान प्राप्त क सम्मानित भेलाह ।

पुरस्कृत मैथिलपुत्र बिज्ञानिक डा.रामबाबु यादवकेँ हिनक जन्म सन् १९७४ मे जनकपुरधाममे एकट मध्यमवर्गीय कृषक परिवारमे भेल । जनकपुरधाम रङ्गभूमि मैदानलग रहल श्रीजानकी माविस’ प्रथमश्रेणीमे एसएलसी उत्तीर्ण कएला पछाइत रा.रा.ब. कैम्पसमे १९९३ ई.मे आइएससी, पास कएलाह ।

तेकराबाद भौतिकी समूहमे काठमाण्डौ त्रिचन्द्र कलेजस’ १९९६ ई. मे बीएससी, त्रि वि किर्तिपुरस’ १९९९ ई.मे एमएससी. एमएससी दोसरवर्षमे इलेक्ट्रोनिक्स विषयक प्राध्यापक नइ रहला बादो स्वाध्यायक परीक्षामे उच्चतम अङ्क प्राप्त कएलाह । एहिस’ प्रभावित भ त्रि.वि.केन्द्रीय भौतिकशास्त्र विभागमे प्राध्यापकमे नियुक्ति समेत भेलाह ।

तीन वर्षक शिक्षण सेवा पछाइत सन् २००३ मे मिसिसिपी स्टेट विश्वविद्यालयमे स्नातक अध्ययन हेतु डा. यादव के अवसर भेटला पर ओ अमेरिका गेलाह । परमाणु भौतिकीमे बचपनेसँ अभिरुचि रहने २००५ मे एम.एस. हेतु विश्वविद्यालयमे परमाणु भौतिकी अनुसन्धान समूहमे सामिल भेलाह ।

शिकागो लग रहल Argonne राष्ट्रिय प्रयोगशालामे बहुत रास प्रयोगमे सहभागी होइत रहलाह । ओतहिस’ ओ २००९ मे पिएचडी कएलाह । फेर तेकराबाद पोर्चुगल आ क्रोएशियामे बहुतो वैज्ञानिक प्रयोग सभकरैत अपन हुनरकेँ प्रदर्शन कएलाह ।

एकवर्ष बाद युरोप स घुरता आइब फेर मिसिसिपी विश्वविद्यालयमे प्रवेश कएलाह एवं ओतहि पोष्ट-डक रुपमे ३ वर्ष कार्य कएलाह । तेकराबाद ओ दक्षिण क्यारोलिना स्टेट विश्वविद्यालयमे भौतिक शास्त्रक सहायक प्राध्यापक रुपमे नियुक्त भेलाह आ अखनुधैर ओतहि कार्यरत छैथ ।

हिनक विद्वता-अनुसन्धानस’ प्रभावित भ’क’ अमेरिकी राष्ट्रिय विज्ञान प्रतिष्ठान दू वर्षके हिनक परमाणु संरचना अनुसन्धान कार्यक्रम कार्यलेल दूटा पुरस्कार देल गेल छै ।

जाहिमे एकटा दू लाख टाकाके एहे वर्ष बितल अगस्तमे एवं एकटा गत ८ सितम्बर-२०२१के देलगेल छै । दूनु मीलाक उल्लेखित अमेरिकी रकम सहितके अनुदान-सम्मान पुरस्कार प्रदान कएलगेल छै ।

ई हमरासभकेँ लेल गर्वोन्नत बात छै । ई जनतब अमेरिका स्थित नेपाली तराइबासीसभकेँ सामूहिक संगठन एन्टाके अध्यक्ष मोहन यादव सार्वजनिक कएने छैथ । मैथिली अभियानी प्राध्याक, साहित्यकार प्रेम विदेह ललन मादे सीमाञ्चल समदियाके से जनतब प्राप्त भेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया