सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका लेल कार्यपालिका सदस्य पदसभमे दू सदस्य नेकपा एमालेके एवं शेष ६ सदस्य नेपाली काँग्रेसके आइ निर्वाचित भेल छै ।
शुक्रदिन मतदान प्रकृया अनुसार पुरुष सदस्य दिस काङ्ग्रेसके राकेशविक्रम साह, नेकपा एमालेके दिपेन्द्रकुमार साह एवं सन्तोषकुमार महतो निर्वाचित भेल छैथ ।
राकेशबिक्रमके पक्षमे सार्वाधिक ८५ मत, एमालेकेँ सन्तोषके ७८ मत एवं दिपेन्द्रके पक्षमे ६८ मत प्राप्त भेला पर विजयी घोषित भेल छैथ ।
हिनक प्रतिस्पर्धामे रहल काँग्रेसके पंकजकुमार महतोके ४९ मत, रामप्रवेश ठाकुर के ३५ मत एवं एमालेके जयशंकर प्रसाद गुप्ताके पक्षमे मात्र २९ मत पड़ल छल ।
बितल बैशाख-३०गते सम्पन्न स्थानीयतह निर्वाचनके मतगणना परिनाम अनुसार जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकामे २५ वार्ड एवं नगरप्रमुख, उपप्रमुख मीलाक १२७ गोटे निर्वाचित भेल छल ।
स्थानीयतह सञ्चालन हेतुके नीयमावली अनुसार नगर परिषद् गठन हेतु तीन पुरुष एवं पाँचटा महिलाके चयन करब अनिवार्यता रहैत छै ।
परिषद् गठन हेतु सार्वाधिक सदस्य नेपाली काँग्रेसके ६९ टा जीतल छै । दोसर स्थानमे नेकपा एमालेके ३८ सदस्य छै । लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा) नेपालके १० सदस्य जीतल छै ।
तेकराबाद स्वतन्त्र ७ टा एवं जनता समाजवादी पार्टी(जसपा) नेपाल, नेकपा माओवादी केन्द्र, एवं तमलोपाकेँ एक-एकटा सदस्य निर्वाचित भेल छल । जेसभ आठ सदस्य छनौट करब हेतु गोप्य मतदानमे मतदातारुपमे सामेल छल ।
आरक्षित अल्पसंख्यक, आदिवासी, अपाङ्ग, जनजाति आदि पांचटा महिला सीटमे नेपाली काँग्रेस सम्बद्ध महिला शारदा पन्त, शैलकुमारी चौधरी, सञ्जु देवी, फूलकुमारी देवी, मनिषाकुमारी देवी परिषद् सदस्यमे निर्वाचित भेल छथिन ।
प्रतिक्रिया