जनकपुरधाममे ७८ सर्जकके सम्मानक तयारी

बरिष्ठ पत्रकार, साहित्यकार राजेश्वर नेपालीके अठहतरम् जन्मोत्सव

२०७९ भाद्र १५, बुधबार २३:५०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 32
    Shares

जनकपुरधाम । प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी, बरिष्ठ पत्रकार एवं साहित्यकार राजेश्वर नेपालीके अठहतरम् जन्मोत्सव अइबेर मनाबके भव्य तयारी कएल जारहल छै ।

 

नेपाली पत्रकारीताक्षेत्रके भिष्मपितामह, चलैत फिरैत जीवन्त शब्दकोसके रुपमे समेत चिन्हाइत आएल नेपालीकेँ २००८ साल भादव-१८ गते जन्म भेल छैन्ह । जनकपुरधाम वार्ड नं.२३ बेला गाममे जन्मल सर्जक नेपालीकेँ ७८म् जन्म उत्सव पर ‘रबिन्द्र साह स्मृति प्रतिष्ठान’ व्दारा अइबेर भव्य कार्यक्रमके आयोजन कएल गेल जनतब भेटल अइ ।

 

जन्मोत्सव पर ‘‘राजेश्वर नेपाली व्यक्तित्व आ कृतित्व ’’ पर आधारीत परिचर्चाके आयोजन कएलगेल छै । एहे भादव-१८गते, शनिदिन हुनक व्यक्तित्व एवं कृतित्वपर केन्द्रित कार्यक्रमके आयोजन कएलगेल छै । एहन जनतब आयोजक संस्थाक अध्यक्ष एवं जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के वार्डअध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साह सीमाञ्चल समदियाके देलाह ।

 

सर्जक, समाजसेवी, सत्यवादी, कर्मनिष्ठ निर्भिकताके प्रतिमूर्ति नेपालीके अठहतरम् जन्मदिनके अवसर पर आयोजित हुअबाला कार्यक्रममे विभिन्न क्षेत्रस’ ७८ गोटेके विशेष रुपस’ सम्मान कएल जाएत ।

 

सम्मानित होबबाला सभमे साहित्यिकक्षेत्र, समाजिकक्षेत्र, साँस्कृतिकक्षेत्र, कलाकारीता, पत्रकारीताक्षेत्रमे काज करैत आएल एवं अपना अपना स्थानस’ महत्वपूणर् योगदानी रहलसभकेँ मुख्यरुपस’ सम्मान कएल जाएत । जाहिमे नेपाल भारतक विभिन्न स्थानक लोक सामेल रहत ।

 

नेपालके राजधानी काठमाण्डौ, मधेश प्रदेशके आर्थिकनगरि बिरगञ्ज, राजधानी जनकपुरक्षेत्रक विभिन्न क्षेत्रके योगदानीसभके अतिरीक्त सर्लाही, महोत्तरी, सिरहा, रौतहट आदि जिलाके भद्र लोकसभ सेहो सामेल रहताह । आयोजक रबिन्द्र स्मृति प्रतिष्ठानके अध्यक्ष साह सेहो बतौलाह ।

 

स्मरणीय छै हिनक ब्यक्तित्व एवं कृतित्व पर अभिनन्दन ग्रन्थ रचब काज पुणर्ता दिस पुंगल छै । तहुस’ अइबेरक कार्यक्रम भव्य आ सभ्य रुपस’ देखनहुत होए तेकर ओरियाओन कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया