जनकपुरधामके प्रादेशिक कोरोना अस्पतालमे ३४ गोटे भर्ती

२०७८ बैशाख ३०, बिहीबार १८:२२
सीमाञ्चल समदिया

  • 10
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम स्थित प्रादेशिक अस्पताल अन्तर्गत कोरोना विशेष अस्पतालमे एकटा कोरोना संक्रमित पुरुषके मृत्यु भेल छै ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं. ८ निवासी वर्ष ५५ के पुरुष वितलाहा तीन छाइर दिनस’ बेमार छल ।

प्रादेशिक कोरोना अस्पतालके भेन्टिलेटरमे राइखक हुनक उपचार कएल जारहल छल । ओहिक्रममा हुनका बितलाहाराति मृत्यु भगले । से जनतब कोभिड अस्पतालक संयोजक डा.मनिष पाण्डे देलाह ।

मृतकके देहमे रक्तके अभाव छल एवं नव रक्त बन्न समस्या भगेलास’ कोरोना रोगीकँे मृत्यु भेल सेहो जनतब डा.पाण्डे सञ्चारकर्मीसभकेँ देलाह ।

प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधामके कोरोना अस्पतालमे ३ गोटे भेन्टिलेटरमे उपचारार्थ भर्ती छै । अन्य ३१ गोटे कोरोना संक्रमित बेरामी आइसियु तथा अन्य बेडमे उपचाररत रल छै ओहो जनतब भेटल ।

अस्पतालमा अक्सिजनके अभाव ततकाल नइ छै । अखनुधैर सभ किछु ठीक ठाक छै कोरोना अस्पतालक संयोजक डा.पाण्डे सहोे जनतब लेलाह ।

अहितरहें बितलाहा काइल्ह मङ्गल दिन जलेश्वर नपा वार्ड नं.४ निवासी ५५ वर्षके सुखचैन महतोके उपचारके क्रममे प्रादेशीक अस्पताल जनकपुरधाममे मृत्यु भगेल ।

हुनका उपचारलेल एम्बुलेन्सस’ अस्पताल लाओल गेल मुदा केओ तकतान करब दूर, एम्बुलेन्सस’ उतारहुबाला नइ भेल । नइ केओ डाक्टर बजा सकल आ नइ कोनो चिकित्सक देखबैया भेल ।

नइ केओ आक्सीजन लगा दिअ बाला भेल, बेचारे छटपटाक एम्बुलेन्सेमे दम तोइर देलक । दिवंगत महतो सेहो कोरोना संक्रमित बताओल गेल छै । तैँ केओ नइ भीड़ल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
कैंसररोगीके नयांजीवन हेतु नवजीवन सेन्टर सञ्चालनमे अनलक
२०८० श्रावण ६, शनिबार १८:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल
२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
नीक होबबाला क्षयरोगःचेतनाके अभावमे हजारो मरैत
२०७९ चैत्र १०, शुक्रबार २२:१५
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक
२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र
२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया