जनकपुरधाम । बढ़ैत जनसंख्या एवं सवारीसाधन हेतु व्यवस्थित पार्किङ्गके व्यवस्था नइ कएने नइ होबबाला छै । एहि बातके दृष्टिगत करैत जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका पाँच करोड़के लागतमे पार्किङ्ग निर्माण करए जारहल छै ।
शुक्र दिन व्यवस्थित पाकिङ्गके व्यवस्थापन हेतु एक समारोहबीच नगर प्रमुख एवं उपप्रमुख शीलान्यास कएलाह । ‘सवारी साधन पार्किङ्गस्थल’ शिलान्यास कार्य स्थानीय वार्ड नं.८ अन्तर्गत दशरथ तलाबके पछिमवारी मोहार लग भेल ।
नगर प्रमुख मनोज साह ‘‘हाल चालु आबमे पार्किक हेतु छुटियाएल ६० लाख बजेटमे पार्किङ्गस्थलके घेरबेर एवं माइट भराइ काज होएत’’ बतौलाह । पार्किङ्ग अन्तर्गत नाला निर्माण, बृक्षारोपन, पड़ाव स्थल छुटियाब सन काज , बिजली-पानि, शौचालय आदि सभ किछुके व्यवस्था कएल जाएत । मेयर साह सेहो जनतब देलाह ।
वार्ड नं.८के दशरथनगर लग दशरथ मन्दिरस’ सटले उत्तर गुठी अधिनस्थ साढ़े १२ कठ्ठा जग्गह खाली छै ओहिमे व्यवस्थित सवारी पार्किङ्ग निर्माण काज होएत । जेकर शिलान्यास मेयर साहके उपस्थितीमे उपमेयर किशोरी साह हस्ते कएलगेल ।
कूल लागत ५ करोड़ रहल छै । मुदा अइबेरके बजेटमे मात्र ६० लाख टाका छुटियाओल छै ,एहिमे बाउण्ड्रीवाल होएत । एकरबाद ‘लैण्डस्केपिङ्ग’ कएल जाएत । अइसभकाजमे पाँचकरोड़ जतेककेँ बजेट व्यय होएत, उपमहानगर पालिकाके ई.बीरेन्द्रकुमार यादव सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।
हुनक कहब अनुसार व्यवस्थित सवारी पार्किङ्गलेल निर्माणस्थल पर सभ व्यवस्था दू वर्ष भितरमे पुरा करब लक्ष्य छै । गुठीके इृ परता जग्गह २५ वर्ष हेतु उपमहानपा लीज पर ल’क’ काज आगु ससारलक अइ सेहो ओ बतौलाह ।
वार्ड नं.८के वार्ड अध्यक्ष सिंहके सभापतित्वमे भेल कार्यक्रममे वार्ड नं.३के वार्ड अध्यक्ष दीपेन्द्रकुमार साह, वार्ड नं.४के सुरेश झा, ६ के निदेश साह, ९के परमेश्वर साह, १०के मिथिलेशलाल कणर्, ११के अर्जुण चौधरी, २५के चन्देश्वर साह सहितके जनप्रतिनिधि सामेल छल ।
प्रतिक्रिया