जनकपुरधाममे नेकपा एमालेके खाता खुजल, धनौजी गापा नेकाँके हातमे आएल

२०७९ जेष्ठ ३, मंगलवार ०२:०२
सीमाञ्चल समदिया

  • 41
    Shares
धनौजी गापा विजयी उम्मेदवार

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । अखनु टटके आएल मतपरिणाम अनुसार जनकपुरधाममे एमालेके वार्ड अध्यक्ष एवं धनुषाके धनौजी गाउँ पालिकामे गापा अध्यक्ष एवं उपाध्यक्षमे नेपाली काँग्रेसके उम्मेदवारके जीत सुनिश्चित भेल छै ।

धनुषा जिला सदरमुकाम मिथिलानगरि जनकपुरधामके वार्ड नं.५मे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेस’ आबध्द उम्मेदवार बेचन साह हलुवाई वार्ड अध्यक्षमे विजयी भेल छैथ ।

निकटम प्रतिव्दन्दी नेपाली काँग्रेसके ललित साहस’ मात्र ८ मत अधिक प्राप्त कएला पर सुरुज छापस’ बेचन जितल छैथ । वार्ड नं५के १२४४ मत गणना कएला पर बेचनके पक्षमे २९१ मत एवं ललितके २८३ मत प्राप्त भेल छल ।

अहितरहे धनुषा जिलाके धनौजी गाउँ पालिकामे नेपाली काँग्रेसके उम्मेदवार राजकुमार साह गाउँ पालिका अध्यक्षमे विजयी भेल छैथ ।

काँग्रेसस’ पुनः अहूबेर उम्मेदवार बनल रामवति मण्डल गापा उपाअध्यक्षमे जीतल छथिन ।२०७४के निर्वाचनमे सेहो उपाध्यक्षमे बिजयी भेल छलीह ।

अइतरहे विगतमे सेहो नेपाली काँग्रेस धनौजी गापाके कमान सम्हारने छल आ अहुबेर काँग्रेसीयके हातमे नेतृत्व आएल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया