जनकपुरधामके हेराएल गौरव प्राप्तिक आश जागल

भानुचौक पर पुनःभानुभक्तके स्मारक निर्माण हेतु शिलान्यास

२०८० बैशाख १६, शनिबार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया
bhanucok

  • 67
    Shares
simanchal.com
भानुचौक पर पहिनुका भानुभक्तके स्मारक

 

जनकपुरधाम । नेपाली ‘रामायन’के मादे स्थापित कराबबाला विभूति ‘भानु भक्त’केँ शालिक पुनर स्थापित करब काजके श्रीगणेश कएलगेल छै ।

 

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाद्वारा मिथिलानगरि जनकपुरधाम स्थित भानुचौकमे आचार्य भानु भक्तकेँ स्मारक एवं प्रतिमा स्थापनार्थ शिलान्यास करब काज भेल छै ।

 

जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयर मनोजकुमार साह शनिदिन भिन्सर ९ बजेक ओनपोनमे शीलान्यास कएलाह । एहि काजस’ जनकपुरधामबासी अधिकांश लोक हर्षित भेल छै ।

simanchal.com
भानुभक्त स्मारक निर्माण हेतु शिलान्यास भेल दृश्य ।

 

त्रेतायुगीन नायक-नायीका भगवान श्रीराम एवं माता सीता जानकीकेँ पहाड़ी समुदाय(नेपालीभाषीबीच)मे परिचीत एवं स्थापित कराबके काज आदिकवि भानु भक्त आचार्य रामायणके मादे करौने छथि ।

 

जनकपुरधाम रेल्वे टीशनस’ दक्षिण एवं जनक-शीबचौकस’ उत्तरमे रहल चौबटिया पर नेपाली भाषाके आदिकवि भानुत्रक्तके स्मारक एवं प्रतिमा पञ्चायते कालमे खाड़ कएलगेल छल ।

 

२०६३ सालके मधेश बिद्रोहके समयमे आन्दोलनरत् पक्षधर किछु लोकक हेंज प्रतिमा खसा देने छल । भानुचौककेँ रमेश महतोचौक घोषणा कएल गेल छल । प्रतिमा विहिन स्मारक जर्जर भगेला पर तत्कालीन जनकपुर नगर पालिका संभावित घटनाके देखैत स्मारक खसाबके काज कएने छल ।

simanchal.com
जनकपुरधाम भानुभक्तके स्मारक निर्माण हेतु कडा सुरक्षाबीच शिलान्यास

 

आब ओहे स्थान पर जनकपुरधाम उपमहानपा राष्ट्रिय विभूति आदिकवि भानु भक्तके स्मारक पुनः खाढ़ करब हेतु भूमिपुजन करैत शीलान्यास काज कएलगेल छै । जाहिकेँ मधेशबादी दल आ दलस’ सम्बद्ध अगुवा नेता, दल लगुवा, पछुवा आ सटुवा, भगुवासभ बिरोध समेत कएलक ।

 

स्मारकमे सुरक्षार्थ स्थायी प्रहरी बीट निच्चामे रहत । आठ फिट गोलाकार घेरामे रेलिंग, सौन्दर्यीकरण हेतु प्रकाशके व्यवस्था एवं देखनहुत स्मारक एवं आकर्षक भानुभक्तके प्रतिमा एवं चौक रहत । तेनाक निर्माण काज कएल जाएत । मेयर साह कहलाह ।

 

साढ़े २० लाखके लागतमे चालु आबमे स्मारक निर्माण काज पुरा होएत । जेहन स्मारक पहिने छल तेहने बनत । जनकपुरधाम उपमहानपाके बई बीरेन्द्रकुमार यादव सीमाञ्चल समदियाके जनतब देलाह ।

 

मधेशवादी दलस’ सम्बद्ध पुरनका काँग्रेसी आ टटका मधेशी लालकिशोर साह जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयरमे विजयी भेला पर पुरान पहिचान आरो मेटाबके काज कएलाह । शहरी विकास आयोजना अन्तर्गत पीच ढलान करैत स्मारक स्थललग हाइमास्क लाइटके पोल गाडि़क स्मारकके चेन्हासी मेटाबके काज कएलक ।

 

नइ भानु भक्त नइ रमेश महतोकेँ लसेर रह देलक । जनकपुरधाम उपमहानपाके वर्तमान मेयर मनोज साह जनकपुरधामके पुराण परम्पाराके जीवन्तता हेतु राष्ट्रिय गौरवकेँ ऊँच्च करब हेतु सार्थक प्रयास करहलाह ।

 

अधिकांश जनता भानु भक्तके जयजयकार लगबैत स्मारक निर्माणके पक्षमे रहल संकेत दैत प्रतिबद्धतापूर्वक अड़ाइर करब हेतु ठाढ़ रहल आ आगुओ खाड़ रहत । से धारना स्मारक निर्माण उपभोक्ता समितिके अध्यक्ष प्रभुदयाल जालान बतौलाह ।

 

प्रथम मधेश आन्दोलन क्रममे सहादत भेल शहिद रमेश महतोकेँ नाम पर हुनक प्रतिमा राइखक स्मारक बनक चाही ओहन मांग पर मधेशपक्षधर लोक उतरल देखलगेल ।

simanchal.com
राष्ट्रिय विभूति आदिकवि आचार्य भानु भक्त

 

जनता समाजवादी पार्टी नेपालके युवा नेता पूर्वप्रादेशीक मन्त्री ज्ञानेन्द्रकुमार यादव-रमेश महतोकेँ स्मारक बनते आ ओकरे नाम पर चौक रहतै नइ त’ स्मारक बन नइ देब ओ दाबी कएलाह ।

 

ततहि प्रदेशके पूर्व संसद लोसपाके युवा नेता परमेश्वर साह-‘मधेश आन्दोलनके पहिचानस’ जुड़ल नाम शहिद महतोकेँ छै । ओहिके बुताए नइ देब’ बजलाह । नेपाल प्रहरी , सशस्त्र प्रहरी सहित सुरक्षा निकायक सबअङ्ग विभिन्न रुपमे तटस्त भेल छल ।

 

समान्य दूनुपक्षबीच धक्का-मुक्की आ बतकटौवल पछाइत मेयरसंग सर्वदलीय बैसार करब सहमति बनल शीलान्यास काज जहिना पुरा भेल तहिना स्मारक निर्माणक काज सेहो पूर्ण होएबे करत ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया