सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आगामी निर्वाचन लेल जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकालेल व्यवहार कुशल , सुच्चा विकास प्रेमी, नैतिकवान, चरित्रवान जनप्रतिनिधिकेँ खोजाहैटमे अपसिंयात हुअ लागल छै नगरवासी ।
अखनु विधिवत् उम्मेदवारी दलगत प्रतिनिधिके होब नइ सकल छै । तथापि बजारमे के टलहा, के पकीया आ कचिया, के टटका के सविकाहा लोक उम्मेदवारी देत तेकर सर्वत्र चर्चा पसैर चुकल छै ।
अखनु धैर दू गोटे मात्र मेयरपद लेल खुल्ला रुपमे उम्मेदवारी घोषणा कर सकल छै । जाहिमे एकगोटे स्वतन्त्र एवं एकगोटे दलीय लोक छैथ ।
बलराम महतो—
जनकपुरधामकेँ प्रमुख रुपमे कमान सम्हारकसभ मादे जे नाम सभस’ पहिने अखनु चर्चामे आएल छै ओ छैथ- समाजसेवी धनपति बलराम महतो । स्वतन्त्र उम्मेदवारी घोषणा कचुकल छैथ ।
जनताकेँ बीच घर-घर जारहल छै । परिणाम सोकजगर आओत ओ अपेक्षा कएल जारहल छै । किएक त’ धनस’ धरमो पालन होइत छै । जेना देखल जारहल छै ।
दलीय आवरणमे अप्पन स्वार्थ एवं दलगत स्वार्थमे समाजके बेरागर्क करब बेसी काज होइत आएल छै । प्रायःएहन कृत धनलेल कएल जाइत छै ।
कमस’ कम जे पहिनहीस’ धनसम्पन्न छै तिनका लग धनकमाउ भाव नइ रहत ! सेवा भावनास’ काज करत ओ मानल जासकैए ।
मनोज साह—
देशके सभस’ पुराण पार्टी नेपाली काँग्रेसस’ मनोज साह चर्चा सेहो व्यापक छै । २०७४ सालके स्थानीय निर्वाचनमे सेहो सार्वाधिक मत प्राप्त क’क’ युवा नेता साह मेयरमे पराजित भेल छलाह ।
युवा जोशिला जागरिला आ सम्पन्नतामे ठीकेठाक छैथ । परिवर्तनमुखी काज करब हेतु उत्साहित रहैत छैथ । जनभरोस पहिनेस’ अखनु आरो बढ़ल छै ।
‘घर-घर जाउ काँग्रेस जिताउ’ अभियानसंग दलबल सहित नगरके वार्ड-वार्डमे घुइम रहल छैथ । जाहिस’ बिना घमर्थनकेँ समर्थन भेट रहल छै ।
तेहन खाँटी ब्यक्तित्वो छै । मुदा काँग्रेस पाँच दलीय समिकरणमे चुनाव लड़ब सहमतिय सम्झौता कएने छै । ओहनमे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका काँग्रेसके हातमे नहिए पड़त तेहन सम्भावना देखल जारहल छै ।
तथापि मनोजके लोकप्रियतास’ दलगत बिद्रोह क’क’ चुनावी मैदानमे दलबल सहित उतरत ओहन खेमा तयार कएने कहल जारहल छै । तेहन भेल त’ जन अपेक्षित उम्मेदवार रह’ सकैए ।
परमेश्वर साह—
तेसर सबल उम्मेदगर उम्मेदवारके रुपमे लोसपास’ बर्तमान प्रदेशसंसद परमेश्वर साहके नाम सुनल जारहल छै ।
एहि दलस’ सर्लाही निवासी मनोज चौधरीकेँ नाम सेहो मेयरपदमे सुनल जारहल छै । परमेश्वरके अपेक्षा मनोज फोक छै ।
परमेश्वरकेँ लोकप्रियतास’ पार्टीबृत सेहो अवगत भेल छै । लोसपामे तेहन निसन्न उम्मेदवार दोसर नइ अभैर रहल छै ।
अपन संसदीय रकमस’ सबजाति वर्ग समुदायकेँ लेल किछु नइ किछु कएने छै । राजनीतिक सुझबुझ बाला लोक छैथ । सम्भावनाके दुरुखा पर ओ अग्रतामे खाड़ छैथ आ रहताह एहन मानल जाय ।
जानकीराम साह—
लोसपा सम्बद्ध जनकपुरधामकेँ वार्ड नं.७ निवासी जानकीराम साह दोसर एहन उम्मेदवार छैथ, जे अपन उम्मेदवारी घोषणा करबमे आगा छैथ । वार्ड सबमे कार्यालय सेहो खोइल चुकल छैथ ।
दलस’ टीकट भेटो नइ भेटो ओ चुनाव लड़बे करता ओ पक्का बुइझ पड़ैत छैथ । युवा छैथ । निकेसुखे परिवारिक अवस्थाके लोक छै । जातिवादी एक खेमाके भरपुर सर्पोट अरवैसक प्राप्त करताह ।
किएक त’ जनकपुरधाम जतह जातिवादी राजनीतिक होइत छै । ओहिमे मेयरमे ओहो बाजि मारब लेल मैदानमे उतरलाह ।
मुदा प्रयास एहनो जारी छै दलगत एवं गुटगतरुपमे मेयरके स्थान पर उपमेयरमे हुनका झारल जाए । तेहनमे हुनक जीत सुनिश्चित भजाएत एहनोे होब सकैए ।
किशोरी साह—
काँग्रेसमे मेयर पदलेल जे अपन योगदानी विवरण सहित सार्वजनिक कएलाह ओहिमे किशोरी साह सेहो सबल उम्मेदवार छैथ ।
२०५३ सालमे जनकपुरके उपमेयरमे निर्वाचित भ’क’ नगरपालिका चौलौने अनुभव हुनका लग छै । धन बाहेक सबकिछु हुनका लग छै ।
असल व्यक्तित्व, पार्टीमे नम्हर लगानी, प्रजातन्त्र प्राप्ति लेल जेलनेल भोगल ; देशके परिवर्तनमुखी हरेक आन्दोलनमे अथक योद्धाजकाँ सहभागी भेल छैथ ।
मुदा पार्टी हुनक मूल्यांकण ओहिरुपमे करत ओकर सम्भावना बड थोर देखाइत छै । जौँ काँग्रेस विश्वास करए त’ वर्तमान समयमे उम्मेदगर उम्मेदवार किशोरी सेहो शसक्त रुपमे होब सकैत छैथ ।
लालकिशोर साह—
जनकपुरधामके वर्तमान मेयर लालकिशोर साह पुनः मेयरमे लड़ताह ओ सुनल जारहल छै । २०७४ के निर्वाचनमे राजपा नेपालस’ जीतल छलाह ।
नेपाली काँग्रेसमे रहल समयमे प्राजातन्त्रलेल, जेलनेल भोगलाह । अनेक यातना सहल छैथ । २०४९ सालके निर्वाचनमे उपप्रमुख भेल छलैथ । बादमे काँग्रेसी छोइरक मधेशी बनलाह, मधेश आन्दोलन समेत सक्रिय रहलाह ।
तेकर परिणम स्वरुप जनता विश्वास क’क’ हिनका २०७४के निर्वाचनमे मेयरमे जीतौलक । मुदा जनताके भरोसपर मेयर साह सहीरुपमे खाड़ नइ उतैर सकलाह ।
अवसरवादी नेता अभरलाह । जे दल विश्वास क’क’ टीकट देलकै ओकरो त्याइगक धनलोभी शासक जकाँ काज कएलाह । अखनु जसपा नेपालमे सन्हियाक मेयर पदके दाबेदारीमे हुनकर नाम छै ।
भारतीय सीमस’ जुड़ल मटिहानीवासी छैथ । जनकपुर नगरमे ओतुका लोककेँ सात हजार जतेक एकल जातिय समूह मीलाक मत नगरक्षेत्रमे छै । ओहने मत निर्णायक होइत छै, जाहि पर फेरस’ हुनक दृष्टि गड़ल छै ।
गमैया हुअके नाते जाहि मतपर सम्पूर्णरुपस’ अप्पन पकर मेयर साह मानैत आएल छै । ओहि संगे मुश्लिम मत पर सेहो पकर छै । मुदा जनभरोसगर नेतृत्वकर्ता नइ होब सकलाह । अइबेर हिनका ओ भ्रम सब टुटी सकैए ।
शीबशंकर साह हीरा—
नेकपा एमालेस’ शीबशंकर साह हीरा मेयरमे चुनावी मैदानमे उतरताह । जनकपुर उद्योग बाणिज्य स.घके अध्यक्ष भ’क’ व्यापारीसभको नेता होइत मधेशवादी दलमे घुसल छलाह ।
मधेशीस’ कामरेड बनला पर मेयरके टीकट पर दाबेदारी पक्का कएने छैथ । टीकटो पाबके चान्स हीराके बनल छै । जाहि कारणस’ पार्टीबृतमे सुच्चा एवं योगदानी कार्यकर्ता असन्तुष्ट बनल छैथ ।
उमेश चौधरी—
हुनका बिरोधमे पढ़ल लीखल, शालीन युवा, जनसम्पर्की व्यक्ति उमेश चौधरी पार्टीस’ बिद्रोह क’ क’ मेयरमे उम्मेदवारी देत ओकर सम्भावना प्रवल देखल जा रहल छै ।
जाहिया बामधारी कैडरके पोष्टरधैर नइ साट दैक, ओहि समयमे उमेश माइर खाक, दुजरु भ’क’ पाटीके लेल योगदान दैत आएल मध्ये एक छैथ । अइ बातके सम्बन्धित दलके, ओकर अगुवाके गम्भिरता पूर्वक विचार करक चाही ।
बिद्रोही भेने दुनुके अवस्था कि रहत ओ आबबाला निर्वाचन बताओत । मुदा हीरा, उमेशमे तुलना कएला पर दुनू जातिगत रुपमे एक जाति छैथ ।
पढ़ल लीखल एवं राजनीतिक सुझबुझमे उमेश आगु छैथ । स्वतन्त्र बिद्यार्थी युनियनके निर्वाचनमे जीतक विगतमे सेवा कचुकल छै ।
उमेश चौधरी विद्यार्थी जीवनमे अबल दर्जाके विद्यार्थी रहलाह । २०५७ सालमे वक्तृत्वकला प्रतियोगितामे नेपाल भैरमे प्रथम भेलाह ।
तेकराबाद सार्कस्तरीय प्रतियोगितामे व्दितीय स्थानमे विजयी भेल छलैथ । २०६२-०६५ धैर स्ववियु सभापति एवं त्रिभूवन विश्व विद्यालयके सभासद् चयन भेल छलाह ।
ई किनको दयामायास’ नइ अप्पन मेरिटके बल पर भेल छलाह । मुदा देशके दलीय राजनीतिक तेहने छै चाकरके खोजैत छै चन्सगरके नइ । तेकर माइरमे पड़ैत आएल छैथ ।
इमान्दार, होनहार, दूरदर्शी सोंचक लोक छै उमेश । युवा विद्यार्थी मतदाताबीच नीक पक्कर बनौने छै । बुद्धिजीवी सर्कलमे सेहो नीक पहुँच एवं पकर छै । जे पहुँच एवं पकर हीरा नइ बनब सकल छै ।
डा.अजयकुमार झा—
नेकपा एमालेस’ फूटैकक कायम भेल ‘नेकपा एकिकृत समाजवादी’पार्टीस’ दातके डाक्टर पेशास’ सम्बद्ध अजयकुमार झा मेयर पदमे उम्मेदवार बन्ताह एहन जनतब भेटल । माओवादी केन्द्रस’उम्मेदवारीके चर्चा नइ सुनल गेल ।
नगरमे प्रायः उम्मेदवार बैश्य समुदायस’ सम्बध्द छै । तेहनमे ब्राह्मण समुदायस’ एकटा मात्र उम्मेदवार डा.झा रहताह ।
तैँ सभकेँ ताकाझाकीमे निकैलो सकैत छै ओहनो सम्भावना बनत । किए त’ वर्तमान समयमे ब्राह्मण समुदायके अग्रतामे कोनो दलमे लिडर नइ छै । एहन सुख्खन अवस्थामे जनकपुरधामके मेयर बनल सौभाग्यक बात होएत ।
प्रतिक्रिया