जनकपुरधामके चुनावी प्रतिस्पर्धामे आइ सवासयस’ उपर लोक मनोनयन दर्ज करौलक

२०७९ बैशाख ११, आईतवार १८:१०
सीमाञ्चल समदिया

  • 7
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । राजनीतिक दलमे निस्वार्थ सेवा करैत आएल सुच्चा योग्य कार्यकर्ताकेँ मनोबल खसबैत विभिन्न दल अपन दलीय एवं जातीयस्वार्थमे सन्हियाक उम्मेदवार छनौट करब काज कएने छै ।

जाहिस’ दलीय दलदलमे जनभावना दरमेसब काज बाहेक किछु नइ होएत ओ संकेत नोमिनेशनके पहिले दिनमे भेट लागल छै ।

आगामी ३० गते हुअबाला स्थानीय तहके निर्वाचनमे आइ उममेदवारी दर्ज कराब के शुरुआति समय छल । काइल्ह सोम दिन सेहो उम्मेदवारी दर्ज कराबके काज रहत ।

स्थानीय तह निर्वाचन हेतु जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके नगरप्रमुख पद हेतु आइ पहिल दिनमे आठगोटे अपन अपन उम्मेदवारी दर्ज करौने छै ।

उम्मेदवारी मनोनयनके पहिल दिन साँझ ५ बजेधैर प्रमुख सहित कूल १ सय २७ गोटे चुनावी प्रतिस्पर्धामे सहभागिता हेतु मनोनयन दर्ज करौने छै । प्रमुख निर्वाचन अधिकृत ब्रजेश प्याकुरेल स’ जनतब भेटल ।

हुनका अनुसार दुटा राजनीतिक दल आ स्वतन्त्र मीलाक ८ गोटे मेयर पदमे उम्मेदवारी परल छै । उपमेयर पदमे ३ गोटेके उम्मेदवारी परल छै ।

जनकपुरधामके नगरप्रमुखमे जनमत पार्टीस’ अनिता देवी साह, नेकपा मालेस’ गीताकुमारी मण्डलके उम्मेदवारी परल छै ।

तहिना स्वतन्त्रस’ श्यामकिशोर मण्डल, लक्ष्मण साह, रामसेवक यादव, बिक्की यादव, अनिल पजियार एवं सुधिरकुमार महतोके उम्मेदवारी दर्ज भेल छै ।

उपप्रमुखमे नेकपा एमालेस’ बिद्रोह क’क’ उमेश चौधरी स्वतन्त्र उम्मेदवारी देने छैथ । जनमत पार्टीस’ उपप्रमुखमे संतोषकुमार साहके उम्मेदवारी दर्ज कएल गेल छै । कुमारी बनिता यादव सेहो उपप्रमुखमे उम्मेदवारी देने छैथ ।

११६ गोटे वार्ड अध्यक्ष एवं वार्डसदस्यमे मनोनयन दर्ज सेहो करौने जनतब प्रमुख निर्वाचन अधिकृत प्याकुरेल बतौलाह ।

प्रमुख राजनीतिक दल एवं समाजक भद्र कहबेका अगुवा नेतासभके उम्मेदवारी काइल्ह अन्तिम सोमदिनमे पड़त ओ बुझएमे आएल ।

राजनीतिक दल मुक्त स्थानीय तहके निर्वाचन हुअ चाही । चारुभरस’ एहन स्वर उठैत अएला बादो जनआकाँक्षाप्रति अटेर करैत आएल सरकार एवं राजनीतिक दल आकांक्षीसभकेँ मनोबल उच्च सेहो नइ कपाइब सकल छै ।

तहिस’ मारा-पीटी, गड़ा-गड़ौबल टीकट लेल छिन्ना झप्टी होइत सेहो देखल गेल छै । उपेन्द्र यादव नेतृत्वके जसपा नेपालमे तेहने खेल आइ देखल गेल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया