जनकपुरके स्वरुप बारे अन्तर सम्बाद

सन्ततिके मार्गनिर्देशन हेतु विगत, बर्तमानके कथा-व्यथा लीपीबद्ध होए

२०७९ फाल्गुन ५, शुक्रबार २१:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 24
    Shares

 

जनकपुरधाम । मिथिला सभ्यताके केन्द्रविन्दू जनकनगरि जनकपुरधामकेँ बिगत बर्तमान अवस्था एवं भावि स्वरुप पर एतह एकदिना अन्तर सम्वाद कार्यक्रम कएलगेल । रङ्गवाटिका नेपालव्दारा कएलगेल कार्यक्रममे विभिन्न पक्ष पर समाजक गणमान्य लोकसभ अपन अपन धारना रखलाह ।

 

मिथिला नगरि जनकपुरधामके जे वर्तमान स्वरुप छै ओ आप रुप किन्नहु नइ भेल होएत नइ भेल छै । अखनुका जनकपुर जाहि रुपमे छै ओ बनाबमे बहुतो तपश्वी, सिद्धसाधक, समाजक गुणीमुनीकेँ अपन अपना तरहक विशेष योगदान भेल छै ।

 

केहन लोककेँ कोन तरहें केहन योदान रहल ओक पहिचान परिचय खुजबाला कोनो साहित्य तयार हमरासभ नइ करए सकल छी । जाहि कार्यहेतु मूल फोकश कार्यक्रममे देल गेल ।

 

सम्वाद सम्वाहकके आयोजनमे भेल कार्यक्रम मैथिलीसेवी रामआशिष मण्डलके सभापतित्वमे भेल छल । भावि जनकपुर जे जेहन होएत ओकरो वर्तमानमे विभिन्नक्षेत्रस’ भिन्नभिन्न लोकके सहयोग होइत आएल छै । ओहुके ‘डकुमेन्टेशन’ हमरासभ नइ कपाइप रहल छी ।

 

प्राचीन अवस्था ओ ओहि काल खण्डके अवशेष खोजाहैट नइ होब सकल छै । ओहु दिश काज करब दरकार छै । सहभागीसभ अपन अपन धारना राखैत स्पष्ट कएलाह । वर्तमान पुस्ता एवं भावि सन्ततीके दीग्भ्रमित होबस’ जोगाब लेल प्राीन अवस्थाके विश्लेषण होबक चाही ।

 

आधुनिक जनकपुर एवं वर्तमान अवस्थाके समेत लीपीबद्ध करैत इतिहास लेखन कएल जाए चाही ओहि विषय पर प्रायः सहभागीसभ एक मतता आ एकबद्धता प्रकट कएलाह । कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयर मनोज साह छलाह ।

 

विशेष अतिथिके रुपमे बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्के अध्यक्ष शीतल साह, मधेश प्रदेश प्रज्ञा प्रतिष्ठानके अध्यक्ष रामभरोस कापडि़, बुद्धिजीवी डा.बिजयकुमार सिंह, मधेश स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानके अध्यक्ष डा. रामकेवल शाह, साहित्यकार डा. रेवतीरमण लाल,

 

डा. पशुपतिनाथ झा, समाजसेवी ई. प्रकाशचन्द्र साह, प्रेसस्वतन्त्रता सेनानी अग्रज पत्रकार अशोक रौनियार, रामभरत साह, प्रदेश पत्रकार संघके अध्यक्ष राजेशकुमार कर्ण,

 

जनकपुरधाम उपमहानपाके उपप्रमुख किशोरी साह, पत्रकार साहित्यकार रोशन जनकपुरी, उपेन्द्रभगत नागवंशी,नित्यानन्द मण्डल, सुजीतकुमार झा, अन्तरसम्वादमे अपन-अपन धारना प्रष्टरुपमे रखलाह ।

 

पत्रकार श्रनिारायण साह, कमल साह, पुरण गुप्ता,राजनकुमार सिंह कलाकार मदन ठाकुर, परिवर्तनकामी युवा उमेश चौधरी,प्रफूल्लराज घिमिरे सहित तिन दर्जन जतेक लोक सहभागी छलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया