सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कृषक सभकेँ समस्या पर संघीय सरकार, प्रदेश सरकर एवं स्थानीय सरकार सेहो गम्भिर नइ रहल छै । जाहि ओजहस’ कृषकसभकेँ समस्या जहिनाके तहिना रहैत आएल छै । अइ पर राज्यके ध्यानाकर्षण करबैत अ विभिन्न जिलामे चरणबद्ध आन्दोलन करैत आइ धनुषामे सेहो बिरोधात्मक कार्यक्रम कएल जारहल छै ।
डा.सी.के. राउत नेतृत्वके ‘जनमत पार्टी’के तत्वाधानमे मिथिला नगरि जनकपुधाममे कृषकसभके नम्हर जुलुस बहार कएलगेल छै ।
कृषि मन्त्री मुर्दावाद ! कृषकके समस्या समाधान कर !
बहिरा सरकार कान खोल, हम्मर बात ध्यानस’ सून । राज्य षडयन्त्रकारी सत्ताधारी मुर्दावाद ! मुर्दावाद !! इतयादि उतेजक नारा धनकाबैत जनमत सम्बद्ध नेता कार्यकर्ता समेत सम्मलित जुलुस नगर परिक्रमा करैत जनताके जगाबके काज कएलक ।
समयमे बीया-बीछन नइ उपलब्ध होएब । कृषी प्रधान देशमे समय पर कृषकसभकेँ आवश्यक मल-खाइध उपलब्धता नइ होएब । तथापि अनेक कष्ट सहैत भोगैत उब्जा कएला पछाइत सही मूल्यमे उत्पादित बस्तुके मोल नइ भेटब ।
कुशियार-ऊइख उत्पादनकर्ता कृषकसभके उधार ऊइख ललेब आ ओहो रकम चीनी मील सञ्चालकव्दारा समय पर नइ देल जाएब । एहन ब्यथितिसभस’ नेपाली कृषकसभ लड़ैत आइब रहल छै ।
शासकीय चिन्तनसंग सत्ता एवं सरकारमे रहल मन्त्री-सन्त्री कर्मचारीतन्त्र साफे ध्यान नइ दरहल छै । तैहिस’ अखनु फेर कृषकसभ सड़क आन्दोलनमे उर पर बाध्य बनल छै । आजुक जुलुसमे कुशियार सहित कृषकसभ जुलुसमे सामेल छलाह ।
प्रतिक्रिया