सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पयरा पर चलैत-चलैत मुरझाक एकगोटे खैसक मैरगेल छै । जनकपुरधामके मील्सएरियामे एहन घटना शनिदिन भेल जनतब भेटल ।
प्लाष्टिक, प्लाष्टिकके बोतल सहितके कूर्रा-कर्कट बीछक जीवन बसर करैत आएल ४० वर्षक पुरष सड़क पर खैसक एकाएक मैरगेल कहलगेल छै । अइ बातस’ लोक आओर सुइनक घबरा गेल छै ।
कोभिड-१९ के प्रारम्भिक समयमे जतहस’ प्रकोप शुरु भेल ओहि देशमे अर्थात् कोराना महामारीके प्रकोप चलला पर चीनमे संक्रमित भेल लोक अहिना खैसक मैर जाइत छल । गतवर्ष बहुत लोक ओहन दृश्य बिधुतीय समाचार माध्यम सभमे देखने छल । लोकके ओ सुरता मोन पैर गेल । कहुँ एतहु त’ तेहने अवस्था नइ आइब गेल !
मृतक पुरुष कोरोना संक्रमित छल अथवा नइ ओ पता नइ लागल छै । प्रहरीके कहब अनुसार जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.१ रहनिहार शत्रुधन सदायके रुपमे मृतकके पहिचान खुजल छै ।
भोजन नइ खाक खालीय पेटमे दारु पीबक रौदमे प्लाष्टिक बिछैत रहलास’ कमजोरीके कारण सदाय खसल आ खैसक मैरगेल । मील्स एरिया शुभचौक लगिचमे सड़क पर खैसक मरला पछाइत शब परिवारजनके जिम्मामे लगाओल गेल जनतब भेटल ।
प्रतिक्रिया