जनकचौकमे सुरक्षाकर्मी खम-खम

२०७७ भाद्र ११, बिहीबार ०८:०४
सीमाञ्चल समदिया

  • 12
    Shares


सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । उद्योगी ब्यवसायी सबहक बैसारस’ कानुन व्यवस्थाकेँ खील्ली उड़ब सुनिश्चित भेलास’ जनकपुरधाम जनकचौक क्षेत्रमे विशेष सुरक्षा व्यवस्था कएलगेल छै । कोरोना महामारीकेँ ओजहस’ स्थानीय प्रशासन धनुषा जिला भैरमे निषेधाज्ञा एकपन्द्रहियास’ जारी कएने छै । पहिनेस’ निर्धारित समय अनुसार बन्दाबन्दी आगामी १५ गते धैर कायम छै ।

बन्दाबन्दी नामकेँ लेल छै , मात्र दोकानसभ खुल्बन्द छै , नोका चोराक सब किछु सभकेँ होइते छै । मात्र व्यापारी ब्यवसायीसभकेँ पैघ समस्या छै । ओइ प्रति राज्यकेँ कोनो निकायकेँ कोनो चांइख नइ रहल आरोप लगबैत जनकपुर चेम्बर अफ कमर्श बृहस्पति दिन जनकचौक पर उद्योगी-ब्यापारीसभ संगे छलफल-बैसार करब बात सार्वजनिक कएने छल । जाहिस’ डेराक कही अथवा सर्तकता अपनाब लेल प्रशासन चेम्बर्सकेँ कार्यक्रम सफल नइ हुअ दिअ लेल आइ अधिक संख्यामे प्रहरीकेँ सक्रिय करौने छै ।

चेम्बर्सद्वारा आह्वान्वित उद्योगी, ब्यवसायीसबहक बैसार हुअस’ पहिनही स्थानीय प्रशासनद्वारा सुुरक्षा ब्यवस्था बढ़ाओल गेल छै । जाहिस’ बजार खोलब अथवा बन्न राखब सम्बन्धमे उद्योगी व्यवसायीसबहक आपसी राय सल्लाहबाला जमघट सफल नइ हुअ सके । तेनाही प्रहरीसब परिचालन कएल गेल छै ।
जनकचौकमे कोनो सवारी साधनकेँ प्रवेश रोकल गेल छै । आबाजाही करएबालाकेँ अधिक केरकार/पुछताछ कएल जारहल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया