सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मिथिला मैथिली लेल सक्रिय सवयंसेवी संस्था ‘मैथिली साहित्यकार सभा’ जनचेतना अभियान नेपालके सहयोगमे पगुवजाके अवसर पर रङ्गारङ्ग कार्यक्रम शुक्रदिन आयोजना कएलक ।
उल्लेखित दूनु संस्थाव्दारा संयुक्तरुपस’ कएलगेल कार्यक्रमके नाम ‘फगुआक रङ्गःकविसभक सङ्ग’ राखल गेल छल ।
मिथिला नगरि जनकपुरधामके जनकचौक पर कार्यक्रम कएलगेल ।
शुक्रदिन बेरियामे भेल कर्यक्रम आने साल जकाँ अहुबेर निरन्तरता देलगेल छै इृ एकटा सुखद पक्ष छै । कार्यक्रम अहूबेर कविता,जोगीरा आ होरी गायनक सङ्ग सम्पन्न भेल ।
जाहिमे विजयदत्त मणि, मनोज सिंह प्रेमेश, देवेश्वरलाल मुन्ना, राजेन्द्र ललन, राजाराम सिंह राठौर, देवीकान्त मिश्र ’मूसन’, अजय कुमार झा, लवकुमार ठाकुर, नागेश्वर मण्डल, शिवन यादव ’दयालु’, सपना कणर्, आभास कर्ण सहितके कविसभ सान्दिर्भक कविता वाचनसँ श्रोतासभके झुमौलैथ ।
कार्यक्रमके बीचबीचमे सभाके सभापाल प्रेम विदेह जोगीरा आ होरी गायनसँ वातावरणके आउर जगजियार कएने छल । मैथिली साहित्यकार सभाके सभापाल प्रेम विदेह ललनके सभापतित्वमे एवं विद्यापति पुरस्कार कोषके अध्यक्ष रामचन्द्र यादवके प्रमुखआतिथ्यमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल ।
कार्यक्रममे आगतसभकेँ स्वागत जनचेतना अभियानके अध्यक्ष सुनिल यादव कएलाह । तहिना सभाके कार्यपालक अरविन्दकुमार यादव कार्यक्रम सञ्चालन कएलाह ।
प्रतिक्रिया