उसासी युवासभ जानकीमन्दिर परिसरस’ बेतुकी प्रचार र्बोडसभ हटौलक

२०७८ भाद्र १२, शनिबार १६:३०
सीमाञ्चल समदिया

  • 100
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल-मिथिलाकेँ सभ्यता संस्कृतिस’ जुड़ल जनकपुरधामके पहिचानमुखी धरोहर जानकीमन्दिर कम्पाउण्ड भितर राखल विभिन्न प्रचार-प्रसार सामग्री होडिङ्ग बोर्डसभ सचेत युवासभव्दारा आइ हटाओल गेल छै ।

ऐतिहासिक, धार्मिक, पुरातात्वि एवं सांस्कृतिक पहिचान मूलक स्थलसभ पर कोनो तरहक प्रचार-प्रसार सामग्री नइ साटल जाए , कोनो पोष्टर, पम्पलेट एवं होर्डिङ्गबोर्ड नइ लगाओल जाए, ओ आग्रह सहितके चेतौनी दैत एतुका जनउसासी युवासभके एकटा समूह मन्दिर परिसरस’ तेहन प्रचारयुक्त बोर्डसभ हटौलक अइ । सचेत युवासभ मादे ई एकटा साकारत्मक काज कएलगेल छै ।

धार्मिक स्थलमे किछुए टाकाके लेल जानकीमन्दिर स्वयं मौन सहमतिमे एहन काज करब हेतु स्वीकृति दैत छै । जाहि पर विराम लागब, लगाएब आवश्यक छै । प्रदेश दू सरकार जतेक काज नइ करैत छै ओहिस’ अधिक ओकर मुखिया अपन फोटो टङ्गबाक जश लुट चाहैत छै ।

ओहि लेल लाखो टाका खर्च कए धार्मिक स्थलमे होडिङ्ग बोर्ड लगबाबके तुच्छ काज करैत छै, ओ खेदजनक छै । एहन काज आब नइ हुअ चाही, युवासभ मन्दिर परिसरमे जुमल लोकक हुजुमस’ आग्रह करैत कहलक ।

समाज सुधारक युवा सरोजकुमार मिश्रकेँ अग्रसरतामे दर्जनो उसासी युवासब आजुक काजमे सक्रिय भ’क’  नेक काज कएलक ।
प्रदेश-२ के मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत स्वक्षता अभियानके नाममे मात्र अपन प्रचार-प्रसार हेतु फोटो सहित अंकित होटिंग बोर्ड मन्दिर कम्पाउण्ड भितर लगाबके काज करबौने छलाह, एहन आरोप लगैत आएल छल ।

शौर्य सिमेन्ट, भिजिट नेपाल आदिके बेतुकी फोटो सहितको पोस्टर लगाएल होडिङ्ग बोड एवं अन्य प्रचार सामग्रीबाला बैनरसभ समेत छल, ओहोसब हटाबके काज युवा अभियानस’ जुड़ल युवा जमातसभव्दारा कएल गेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया