सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधामके ब्यापारी उद्योगीसभकेँ संस्था ‘जनकपुर उद्योग बाणिज्य संघ’ निर्वाचनमे बिवादित बनल मतदान कार्य पुरा भेला बादो आधिकारिक घोषणा करब काज आइ अखनु धैर नइ हुअ सकल छै ।
मतगणना कार्यमे ब्यापक धांधली भेल आरोप निर्वाचन समिति पर बिभिन्न उम्मेदवार लगबैत आएल छै । बरिष्ठ उपाध्यक्ष पदके उम्मेवार सुरेन्द्र भण्डारी मतगणना बहिष्कार कए गणनस्थलस’ अपन समूह सहित बहरा गेलाह । तथापि मतपरिणाम आधिकारिक रुपमे निर्वाचन समिति एकदिश घोषणा नइ कए सकल छैथ ।
दोसर दिश अध्यक्ष उपाध्यक्ष, बरिष्ठ उपाध्यक्ष, महासचिव, सचिव कोषाध्यक्ष पदमे निर्वाचित भेल उम्मेदवारसभ अबीर-माला लगाक विजयी भेल आ अपन शुभचिन्तक सभसंग नगरमे खु्शी मनाबैत घुमियो रहल छै ।
जउबा संघके शनि दिन भेल निर्वाचन पछाइत मतगणना शुरु भेल छल । मतगणनामे कूल ४३११ मत खसल ओ तथ्य सार्वजनिक भेल छल । मुदा मतपेटीकामे खसल मतस’ अधिक मतपत्र बहरएला पर निर्वाचनकेँ विश्वासनीयता पर पैघ प्रश्नचिन्ह खाड़ भेल छै ।
आधिकारीक जनतब नइ अएला पछाइतो विभिन्न उम्मेदवारसभ मादे भेटल जनतब अनुसार अध्यक्ष पदमे बिजयी भेल जितेन्द्र महासेठ-२८३५मत प्राप्त कए अपन प्रतिव्दन्दी जितेन्द्र साहस’ १३३७ मत अधिक लाइबक विजयी भेल छैथ ।
अध्यक्ष पदमे जितेन्द्र साह १४९८ मत प्राप्त कएने छैथ एवं ५७ टा मत बद्दर भेल छै । अइ मतसभकेँ जोड़ला पर ४३९० मत होइत छै । जे खसल मतस’ ७९ मतपत्र बेसी रहल छै ।
अहितरहें बरिष्ठ उपाध्यक्ष एवं उपाध्यक्षमे ८८ मतकेँ हेरफेर भेल देखल जाइत छै । बरिष्ठ उपाध्यक्षमे विजयी घोषित भेल मनिषरमण साह-२१९५ प्राप्त कएने कहलगेल छै । बरिष्ठ उपाध्यक्षमे पराजित करब खेल अन्तर्गत सुरेन्द्र भण्डारी-२१५० एवं बद्दर मत ५४ के मीलान कएला पर-४३९९मत संख्या होइत छै । अइमे खसल मतस’ ८८ मतपत्र अधिक देखार रुपस’ गड़बर भेल बुझाइत छै ।
उपाध्यक्षमे १०३० मत प्राप्त कए अम्बूप्रसाद साह जीतल छै । हिनक प्रतिस्पद्र्धी लक्ष्मण साह-१००६, श्यामप्रसाद साह-६७२, फूल्गेन साह-४६८, अनिल प्रधान-४५२, रमेश यादव-३७३, सन्तोषकुमार साह-२६५,मत प्राप्त कएने छैथ । १३३ टा मत बद्दर भेल छै ।
महासचिवमे कूल-४३२१ मत संख्या होइत छै । जाहि मादे मनोजकुमार साह दबाइबाला १९०० मत प्राप्त कए महासचिव पदमे जीतल छै । राजकुमार महासेठ-६६३,सुधीर पजियार-६५१, अशोक चौधरी-६६२,मनोजकुमार साह अल्लु-पियाउजबाला-१५९, कृष्णकुमार मुरारी-१४०, मनोज साह कबाड़ाबाला-७९ मत प्राप्त कए पराजित भेल छै । महासचिवमे ६७ मत बद्दर भेल छै । जकर कूल मतसंख्या ४३२१ होइत छै ।
सचिव पदमे उम्मेदगर उम्मेदवार फूलदेव पण्डित-२३४१मत प्राप्त कए विजयी भेलाह । हिनक प्रतिस्पर्धामे रहल गोपी साह चन्दन-१२९४, सन्तोष महासेठ-६६९मत मात्र प्राप्त कएलक । ४८ टा मत बद्दर भेल छै । इ सभ जोड़ला पर सचिव पदमे ४३५२ मत खसल देखा रहल छै ।
कोषाध्यक्ष पदमे ४२८८ मत खसल तथ्य बहराएल छै । परमेश्वर साह आशा २१०७ मत प्राप्त कए विजयी भेलाह । हिनक निकटतम् प्रतिस्पर्धी विजय साह-१५०६एवं मनोज शर्मा-६१४ मत एवं ६१ टा बद्दर मत भेल छै । अइतरहें जउबासंघकेँ निर्वाचनकेँ इतिहासमे सार्वाधिक बिवाद एवं नाताबाद-कृर्पावादकेँ फर्मूला नीयमनीतिस’ उपर रहल देखाइत छै ।
गड़बर्रीकेँ बिरोधमे निर्वाचन समिति एवं स्थानीय प्रशासन समेतकेँ लीखित रुपस’ जनतब करौला बादो कतहुस’ सुधारक प्रयास नइ भेल । मुचुल्कामे ४३११ मत खसल उल्लेख रहितो ४४११ मत खसल कहैत छै । ताहुके एकरुपता नइ मीलैत छै ।
निर्वाचन प्रमुख सन्तोष साह अपन कमजोरी नुकाबके प्रयास करैत आएल छै । कोनो ठोस आधार प्रमाण नइ दए रहल छै । एना बुझाइत छै जेना ओ अन्जान होइक आ केओ गड़बरिया गड़बर क’क’ चैल गेल होए ।
जउवा संघके एशोसिएट सदस्यमे राजीवकुमार साह चन्दन एवं महिला उपाध्यक्षमे दीपीका राई पहिनही निर्विरोध घोषित भेल छै । कार्यकारीणी सदस्यके पदमे लड़ल-भिड़ल सभकेँ गणना ई समाचार लीखब धैर सार्वजनिक नइ हुअ सकल छल । नइ सीमाञ्चल समदियाकेँ मतगणना स्थल गोपाल धर्मशालामे प्रवेश करए देलगेल छै ।
प्रतिक्रिया