सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । लोकआस्थाके महापर्व ‘छैठ’के लेल पुजन सामग्री निशुल्क बांटब काज भेल छै । मंगनिए बांटब काज कएलाह जनकपुरधाम उप-महानगरपालिकाके वार्डअध्यक्ष शत्रुधन साह ।
वार्ड नं.१के अध्यक्ष साह अपन वार्ड अन्तर्गत आर्थिक रुपस’ कमजोर, गरीब, लाचार, असहाय, दलीत आदि सभकेँ राहत स्वरुप छैठके किछु प्रमुख सामग्री एकटा कार्यक्रम आयोजन कए मजमा लगाक वितरण कएलाह ।अपन वार्ड अन्तर्गत पहिने सर्वे कचुकल अनुसार छैठ पाबैन करएबाला परिवारसभकेँ पुजन सामग्री प्रदान कएलक ।
प्रति परिवार पाँच किलो गहुँम, एकखण्ड नवका सुती,नुआ,एकटा जट्टानारियल, एक डिब्बा अगरबत्ती सहितके सामग्री एकटा अमनिया नवका झोरामे राइिखक सभकेँ प्रदान कएलक । ई समाचार लीखबधैर ३०० गोटेकेँ सामग्री बितरणक चुकल जनतब अध्यक्ष साह सीमाञ्चल समदियाके देलाह । एकपरिवारके एकहजार जतेक रकम बराबरके समान देलगेल छै ।
छैठके समय छै कोरोना महामारीके महाकाल छै एहनमे लोकके आर्थिक कमी होएब स्वाभाविक छै । अइ बातके दृष्टिगत करैत किछुए अंशमे सहयोग होइ तै एहन काज कएल ओ प्रतिकृया देलाह । नगरमे आओरो लोककेँ आवश्कता छै हमरा फोन करत त’ हम प्रसाद सामग्री उपलब्द्ध कराबै सेहो ओ भरोस दियौलाह ।
प्रतिक्रिया