चौबिस घण्टामे कोरोनास’तीन हजार ठीक, दश हजार संक्रमीत

२०७८ बैशाख २५, शनिबार ०२:११
सीमाञ्चल समदिया

  • 12
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । विश्व महामारीके रुपमे पसरल कोभिड-१९ कोरोना संक्रमणस’ २४ घण्टामे तीन हजार जतेक लोक संक्रमण मुक्त भेल छै । अइसंगे कोरोना संक्रमणस’ नीक हुअबालाकेँ संख्या नेपालमे कूल २लाख ९५ हजार ३ सय ९५ पुंगिगेल छै, जे शुभ सूचक बात छै ।

स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालके आनेदिन जकाँ आइ सेहो सार्वजनिक कएने तथ्यांक अनुसार शुक्रदिन कोरोना संक्रमणस’ २ हजार ९ सय ५ गोटे मुक्त भेल छै । ततै चौबिस घण्टामे ९ हजार १ सय ९६ गोटेमे थप संक्रमणके पुष्टि सेहो भेल छै ।

पीसीआर एवं एन्टिजेन प्रविधिस’ परीक्षण कएल गेला पर उल्लेखित संख्यामे कोरोना संक्रमणके थप पुष्टि भेल छै । अइतरहें नेपालमे कूल संक्रमितके संख्या आइ ३ लाख ७७ हजार ६ सय ३ गोटे पुंगिगेल, स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय जनौने छै ।

अहितरहें बितल चौबिस घण्टामे कोरोना संक्रमणस’ ग्रसितसभ मादे ५० गोटेकेँ मृत्यु भेल छै । वर्तमानधैर नेपालमे कोरोना संक्रमणस’ मरएबालाकेँ संख्या ३ हजार ५ सय ७९ पहुँच गेल छै सेहो जनतब भेटल अइ ।

कोरोना महामारी अइरुपमे बिकराल भरहल छै जाहिस’ संक्रमीत आ मृतककेँ संख्यामे नितदिन बढोत्तरी भरहल छै । तैँ सर्वसाधारणकेँ हिम्मत नइ हारिक सरकारकेँ बताओल निर्देशनके पालन करैत घरमे रहि सुरक्षित रही, बाहर जाहि परे त’ मास्क लगाक मात्र बहराइ ।

दू मीटरके दूरीस’ कोनो लोकस’ बनाक रही । बचाब आ सर्तकता एवं आत्मविश्वास एवं जागरुकता मात्र कोरोना संक्रमणस’ हमरासभकेँ बंचाब सकैए,अइ बातकेँ गिरह पाइर लिअ चाही ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया