चैरजौवाँ प्रसौती महिला मरल

२०७७ भाद्र १७, बुधबार १७:४१
सीमाञ्चल समदिया
चैरजौवाँ प्रसौती महिला मरल

सीमाञ्चल समदिया 
जनकपुरधाम । चाइर सन्तानकेँ एकैबेर जन्म दिअबाली माय आइ संसारस’ विदाह भगेलीह ।
धनुषा जिलाके विदेह नगरपालिका वार्ड नं७ जोगीयारा गामके अरमाना खातु्न मङ्गल दिन बेरियामे ४ टा शिशुकेँ जन्म देने छलीह । शल्यक्रियाद्वारा जन्मासुत भेल छल ।

महिलाकेँ स्वास्थ्य अवस्था गम्भिर बनला पर भेन्टिलेटरमे राखल गेल छल । विशेष चिकित्सक सभकेँ निगरानीमे रहलाबादो खातुन बाँइच नइ सकलीह । बुधदिन दुपहरियामे हुनक मृत्यु भगेल ।

खातुनकेँ फेफरामे पानी एवं करेजामे खून जैमगेल छलैक । चिकित्सकीय भाषामे ‘पलमन्ड्री एडिमा’ देखला बाद शघन उपचारकक्षमे भेन्टिलेटरमे राखिक उपचार होइत छल ।
जनकपुरधाम वार्ड नं.९ स्थित काव्या अस्पतालमे प्रसौती लेल भर्ती कएलगेल छल । खातुनकेँ मङ्गलदिन स्त्री तथा प्रसुती रोग विशेषज्ञ डा. सोनिया सिंह शल्यक्रियाद्वारा जन्मासुत करौने छलीह ।

३ बेटी आ १ बेटाकेँ जन्मासुत नीके सुके भेल । तीनु बालिका शीशुकेँ तौल सवा-सवा किलो एवं बाल शीशुकेँ तौल डेढ़ किलो रहल छै ।
बच्चासभकेँ तौल कम भेने कमजोर आ माय सेहो रहने विशेष निगरानीमे राखल गेल छल । तथापि माय बाँच नइ सकलीह । बच्चासभ सेहो आइसीयूमे भर्ती रहल जनतब काव्या अस्पतालके सञ्चालक डा.एस.के.सिंह बतौने छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया