सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा-महोत्तरी जिला सीमाना लगमे लक्ष्मीनियां गाउँ पालिकाव्दारा भव्य प्रवेशव्दार निर्माण काज भरहल छै ।
सोमदिन निर्मास्थल पर गाउँ पालिका अध्यक्ष बिन्देश्वर यादव, वार्ड अध्यक्ष सहित काजके अवलोकन कएलाह ।
बहुप्रसिद्ध मिथिला परिक्रमायात्राके मध्य पड़ावस्थल कञ्चन वन होइत छै ।बिग्हीधारकातमे अवस्थित श्रीरामजानकी मन्दिर जे परिक्रमा पड़ाव स्थल सेहो छै । ओहि मन्दिरके आगा भव्य देखनहुत प्रवेशव्दार निर्माण काज तिब्रतासंग भरहल छै ।
धारके ओइपार पश्चिमबारी कातस’ महोत्तरी एवं पुरुबारीकात धनुषा जिला शुरु होइत छै । ओइ हिसाबे दू जिलाके जोड़के आ पहिचान छुटियाबके काज सेहो ओतह होइत छै ।
धार्मिक, इतिहासिक आ पौराणिक महत्वक स्थलकेँ थप पहिचान लेल मन्दिरके चौबगली पक्की देबालस’ घेराक सुरक्षित एवं संरक्षित करब काज कएल गेल छै । संगेसंग आब प्रवेशव्दार बनाओल जारहल छै । अइस’ अइक्षेत्रके धार्मिक इतिहासिक महत्वक स्थलके थप पहिचान कायम होएत ! गापा अध्यक्ष यादव निर्माण काजके अवलोकन करैत सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।
लक्ष्मीनियाँ गापा वार्ड नं.३ अन्तर्गत रहल मन्दिर कञ्चन वन गजरियाक्षेत्र कहाइत छै । गत आर्थिक वर्षमे मन्दिर परिसर घेराबके काज भेल । प्रवेशव्दार निर्माण लेल ७ लाख टाका देलगेल । अइवर्ष चालु आबमे ३२ लाख बजेट छुटियाओल गेल छै, जाहिस’ निर्माण काजमे तिब्रता आएल गापा अध्यक्ष यादव बतौलाह ।
प्रतिक्रिया