सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । २०७२ सालमे शुरु भेल तेसर मधेश आन्दोलन क्रममे राज्यपक्षद्वारा मारलगेल मधेशक अस्तित्वरक्षक सभकेँ स्मरण कएलगेल छै । पाँचम वार्षिकी पर वीर-शहिदसभप्रति सहभागीसभ श्रद्धा सुमन अर्पण कएलाह । बुधदिन जनकपुरधामकेँ जनकचौक, रामानन्दचौक, हँसपुर नगर पालिकाकेँ हँसपुरचौकमे श्रद्धाञ्जलि सभा आयोजन कएलगेल ।
जनकपुरधाम जनकचौकमे शहिद निकु यादव, दिलीप यादव, सञ्जय चौधरीके तस्वीर पर माला लगाक अबीर चढ़ाक श्रद्धाञ्जलि देलगेल । नगरप्रमुख लालकिशोर साह, प्रदेशसंसद परमेश्वर साह, रामआशिष यादव, राजसपास’ सम्बद्ध नेपम धनुषाके पूर्वअध्यक्ष उमेश साह, वार्ड अध्यक्ष दिपेन्द्र साह, रामगोविन्द यादव, किशन साह, धवेन्द्र साह आदिकेँ सहभागिता छल । ‘जनता समाजवादी पार्टी नेपाल’ धनुषाव्दारा कार्यक्रम आयोजित छल ।
२०७२ साल भादव-२५ गतेमे तेसर मधेश आन्दोलनके क्रममा जनकपुरधाम उपहानगरपालिका वडा नं. १ मिल्स एरियास्थित दिलीप यादव, निकु यादव एवं सँजय चौधरीकेँ सरकारक टहलु शस्त्र प्रहरी बलके एकटा जत्था माथमे छात्तीमे,गोली दाइगक माइर देने छल । अपन पहिचान आ अधिकार लेल तत्कालिन सँयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके आव्हानमे ‘चलु जनकपुर भरु जनकपुर’ कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल । ओहिके असफल बनाब लेल स्थानीय प्रशासनद्वारा कर्फू आदेश जारी कएलगेल छल । तथापि अधिकारवादी आन्दोलन एहन छल लोक मानलक नइ सरकारी प्रशासनीक आदेशकेँ अवज्ञा कएलक ।
‘चलु जनकपुर भरु जनकपुर’ कार्यक्रममे जुमल । ओहि क्रममे निहत्था आन्दोलनकारीके ताइक ताइकक गोली दागलक । ओइ घटनाकेँ आइ पाँच वर्ष पुरा भेल छै । आन्दोलन आ प्रदर्शन क्रममे धनुषा जमुनिया गामके १३ वर्षिय निकु यादव, सिनुरजोडाके १७ वर्षिय दिलीप यादव एवं महेन्द्रनगरके २८ वर्षिय सँजय चौधरीकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे ल’क’ कनपट्टी, माथ आ छात्तीमे गोली दाइग देने छल ।
रामानन्दचौकमे मासद्वारा श्रद्धाञ्जलि
अहितरहें रामानन् चौक पर मधेश आन्दोलनकेँ शहिदसभकेँ मोमबत्ती लेशक श्रद्धा सुमन अर्पित कएल गेल छै । क्रान्तिकारी युवासबहक जमातीबाला संगठन मासद्वारा दीप प्रज्जवलन कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल । मासद्वारा आयोजित मधेशक शहिदकेँ बलिदानी दिवस पर परिवर्तनकामी युवा सरोजकुमार मिश्र, सुशिल कर्ण, इन्द्रकुमार मधेशानन्द सहितक युवा जमात सामेल छल ।
हँसपुर चौकमे कार्यक्रम
धनुषा जिलाके ग्रामिणक्षेत्रमे सेहो मधेशक अस्तित्वरक्षक सभकेँ शहादति पर शोकसभा कएलगेल छै । हँसपुर नगर पालिकाके हँसपुर मल्हनिया-बलगंगाचौकमे साँझुक पहर शहिद निकु यादव, दिलीप यादव एवं सँजय चौधरीकेँ तस्वीर पर अबीर लगाक दीप लेशक श्रद्धाञ्जलि देल गेल । हँसपुर नगरपालिकाके मेयर रामज्ञान मण्डलकेँ अगुवाइमे श्रद्धाञ्जलि समारोह भेल ।
श्रद्धाञ्जलि समारोहमे ‘‘शहिदक सपना साकार करबमे हमसभ कतहु नइ कतहु पछैर रहल छी । अधिकार पहिचान आ सम्मान लेल शहादत देनेसभ प्रति नतमस्तक हमरासभकेँ हुअ परत । कोनो दल गुटके लोक होइ , शहिदकेँ सम्मान स’ पैघ किछु नइ भसकैए । हुनेक शहादतिके बूता पर हमसभ आइ जेहे किछु अधिकार बोध कसकल छी ओ ककरो जीनगी देलाबादे आएल छै , ई बात गिरह बान्हि लिअ पड़त ’’ । अपन संक्षिप्त धारना राखैत मेयर मण्डल बजलाह । एतहु ‘जनता समाजवादी पार्टी नेपाल’ हँसपुर नगरव्दारा कार्यक्रम आयोजित छल ।
प्रतिक्रिया