सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जिला प्रहरी कार्यालय धनुषामे मरल अथवा मारलगेल दलीत जवानकेँ उचित न्यायलेल आन्दोलन करैत आएल पक्ष एवं स्थानीय प्रशासनबीच पाँच बून्दे सहमति भेल जनतब भेटल अइ ।
धनुषा जिला लक्ष्मीनियां गाउँ पालिका रहनिहार दलीत समुदायक कच्छल जुवान पल्टु रविदासकेँ शौचालयमे मृत्यु भेल छल । जे संख्कास्पद मृत्यु छै । जिला प्रहरी कार्यालयकेँ हाजत(थुनुवाकक्ष) अन्तर्गत रहल शौचालयमे पल्टुके मृत्यु भेल ।
प्रहरीके कथना अनुसार पल्टु अपन गञ्जी उताइरक ओहिस’ भेन्टिलेटरमे फंसरी लगाक आत्महत्या कएलक । मुदा हुनक परिवार जन समेतके आरोप छै प्रहरी यातना द’क’ माइरक अपन अपराध नुकाब लेल शौचालयमे फंसरी पर टाँइग देने होएत ।
जाहि विषय ल’क’ विभिन्न अधिकारवादी एवं जागरुक युवा समाजक अगुवासभ धर्ना आन्दोलन चक्का जाम आदि तरहक बिरोध प्रदर्शन करैत न्याय मांगैत आएल छल । छओ दिन पहिने भेल उक्त घटनाके सम्बन्धमे न्यायिक जाँच हुअ चाहैत छल । मुदा आब सहमति सम्झौता पर मोहर लागल छै ।
भेटल जनतब अनुसार जिला प्रशासन एवं आन्दोलनरत् पक्षबीच भेल सहमति अनुसार मुख्यतः पाँच विषयमे सहमति बनल छै । मृतक पल्टुके श्रीमतिकेँ लक्ष्मीनियाँ गाउँ पालिकामे नोकरी देल जाएत । मृतक परिवारकेँ प्रदेश-२के सरकार ५ लाख टाका एवं संघीय सरकार १० लाख टाका राहत रकम प्रदान करए ओहि लेल प्रशासन सिफारिस करत ।
घटना भेल समयमे जिला प्रहरी कार्यालयके हाजतके रखबारीकर्ता, थुनुवाकक्षके सेन्ट्रीमे खटल प्रहरीेकेँ नोकरीचट्(बर्खास्त) कएल जाए लेल सिफारिस कएल जाएत ।
मृतक पल्टुके घीयापुताके स्वास्थ्य सुरक्षाकेँ सुनिश्चित कएल जाएत । तेकराबाद मृतकपक्ष मृतक पल्टुके शव सद्गति हेतु जिम्मा लेत ! तेहन तरहक सहमति बनल बात सामाजिक सरोकारस’ जुड़ल एवं जसपा नेपाल सम्बद्ध युवा सुरेश यादव मादे भेटल अइ ।
दोषी जे होए ओ खोज अनुसंधानके विषय छै । प्रहरी हाजतमे मरल होए अथवा मारलगेल होए । दूनु रुपमे एकर जिम्मेवारी जिला प्रहरी कार्यालयके कमान सम्हारककेँ छै । नीक अधलाहकेँ दायित्व बहन करब कराएब ओहो भार हुनके पर छै ।
जे घटना भेल ओहिस’ कतहु नइ कतहु लापरवाही झलैक रहल छै । लापरवाह नेतृत्वकर्ताकेँ सेहो सीख मीलक चाही मुदा सजाय मात्र सेन्ट्रीमे रहलबालाके मात्र देब कि ई उचित छै ? घून पिसाय आ गहुँम बाँइच जाए कि न्यायसंगत गप्प भेल ?
अइस’ पहिनहुँ ढल्केबर ईप्रकामे, एहन प्रबृतिक घटना भेल छल, कि भेलै ! सुधार भेलै आब जिलामे भगेलै । धनुषामे एहने एहन दर्जनो घटना प्रहरी लापरवाहीक कारन भेल छै, ओहिस’ सीख ल’क’ ओहन प्रबृतिक घटना नइ दोहराए चाही ।
तेहनसन घटना पर विराम लागक चाही जे काज नइ भेल छै । तकरा पाछु एहने सहमति आ सम्झौता क’क’ बड़काके बाचाएब आ छोटकाकेँ सजाय देब ओहो देखाबटी ! तेकरा अन्त नइ कएने घटनाक पुनराबृत्ति होइत रहत !
प्रतिक्रिया