सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोभिड-१९, कोरोना संक्रमण बिरुद्धक सूइया एहे फागुन-२३ गतेस’ आम नागरिककेँ लगाओल जाएत । जाहिके पूर्व तयारी एवं अपनाओल जाएबाला उपायके सम्बन्धमे महोत्तरीके गौशाला नगर पालिकाव्दारा अन्तरकृया कएलगेल छै ।
गौशाला नगर पालिकाके मेयर शिवनाथ महतोके सभापतित्वमे जनसचेतना मूलक अन्तरकृया कएलगेल । जाहिमे सरोकारबाला सभकेँ विशेष उपस्थिति छल । कोरोना बिरुद्धक सूर्यया(खोप) गौशाला नगर पालिकाक्षेत्र भितर रहल प्रतेक वार्डके स्वास्थ्य कार्यालयमे देल जाएत । सर्वसाधारणके प्राथमिकतामे राइखक सूइयां देल जाएके व्यवस्था कएलगेल छै ।
सूईया कोनो उमेरके स्वास्थ्यकर्मीकेँ देल जाएत । मुदा सर्वसाधारणमे अइ चरणमे ५५ वर्षस’ उपरकेँ नागरिककेँ कोरोना संक्रमण बिरुद्ध निरोधात्मक सूइयां देल जाएत, ओ जनतब कार्यक्रममे कराओल गेल ।
सूइया देल जाएब स्थलमे एम्बुलेन्स, सुरक्षाकर्मी, दक्ष स्वास्थ्यकर्मीसभकेँ तैनाती रहत ओ जनतब गौनपा मेयर महतो कार्यक्रममे देलाह । कोबिड-१९ बिरुद्धके सूइया देबके अभियान पाँच दिन धैर गौशालाके विभिन्न वार्डकेँ स्वास्थ्य केन्द्रमे चलत ।
सूइया देला पछाइत ६ स’ ८ घण्टाधैर सूइया लेल ब्यक्तिके आराम करए पड़ैत छै । तैस ओहि अवधिबीच सम्बन्धित व्यक्तिकेँ निगरानी एवं आराम करब व्यवस्था गौनपा मीलौने छै, ओहो बात कहल गेल ।
कोनो नइ कोनो परिचयपत्रके आधारमे नेपाली नागरिककेँ कोरोना संक्रमण बिरुद्धक सूइया देल जाएत । कदम कदाचित उमेर खुजल प्रमाध आधार नइ रहला पर वार्ड कार्यालयकेँ सिफारिस पत्रके आधारमे स्वास्थ्यकर्मी सूइया लगाओत । ओहो जनतब कार्यक्रममे भेटल ।
कार्यक्रममे गौनपा उपप्रमुख आशा लामा, प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बिरेन्द्रजङ्ग थापा, स्वास्थ्य संयोजक रामप्रकाश महतो,सह-संयोजक मनोजकुमार सिंह, डा.रविन्द्रकुमार सिंह सहित, वार्डअध्यक्षसभ सहभागीसभ छल आ अपन-अपन धारना,जिज्ञासा सेहो रखने छलाह ।
गौशाला नगर पालिकामे ५५ वर्ष उमेर समूहस’ उपरकेँ लोक कूल ८ हजार ६ सय १८ गोटे रहल छै । जाहि मादे वार्ड नं.१मे ९४४, वार्ड नं.२मे ९९६, वार्ड नं.३मे ४६८, वार्ड नं.४मे ९९२, वार्ड नं.५मे ७५७, वार्ड नं.६मे ४०१, वार्ड नं.७मे ५१५, वार्ड नं.८मे ७९२, वार्ड नं.९मे ७१६, वार्ड नं.१०मे ७०२, वार्ड नं.११मे ७२२, वार्ड नं.१२मे ६१२ संख्या रहल छै । चित्रः नागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया