गैरकानुनी मुजवानी लगानी बढ़ैत, एकलाख मूइरके सातदिनमे सोरह हजार ब्याज

२०७७ आश्विन ९, शुक्रबार ११:४६
सीमाञ्चल समदिया

  • 46
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोरोना महामारीके समयमे आर्थिक खगतामे रहल लोकसंग अधिक लाभ बितिय संस्था एवं धनपतिसभ उठा रहल छै । सरकार एकदिस कोरोना महामारीकेँ बन्दाबन्दी समयअवधि भैर ब्याज छुट, घरभाड़ा, आदिके छुट सहयोग हेतु आह्वान कएलक ; ततै ब्याजखोर धनपति एवं बत्तिय संस्थासभ सर्वसाधारणसंग अत्याधिक ब्याज असुल करैत अपन-अपन भण्डार भरएमे लागल देखाइत छै ।

बन्दाबन्दी खुजलाबाद विभिन्न लघुबित संस्था बिशेषरुपस’ साप्तहिक मासिक ऋण चुकता करएबालासभके फिरसानीमे राखैत आएल छै । लोककेँ क्रयशक्ति क्षिन्नभिन्न छै । आधा वरिसकेँ एकलहैतके बन्दा-बन्दीमे व्यापार-व्यवसाय सभ चौपट भेल । धयल धरौट सेहो समाप्त भेल । तेहनावस्थामे पुँजीयो जुटान पर लोककेँ आफत आइब गेल छै । बित्तिय संस्थासभकेँ मूइर कि ब्याजो चुकाएब समस्या छै । कटैयाचौरी निवासी मङ्गला देवी साह बतबैत छैथ ।

बजार खुजलो पर ब्यापार व्यवसायके अवस्था ओहिना छै । बहुनीयो पर आफत । लोककेँ बन्दाबन्दी कुँहराक राइख देलकै । पाइ समान्य लोक लग छै नइ त’ खरिदारी की करत आ दोकन्दारी कोना चलतै । दोकान पर दिनभैर बैसला पर जनहो जतेक मजुरीके दाम नइ उपर होइत छै । तेहनमे किस्ताबन्दी रकम बित्तिय संस्थाके कत्त’ स’ चुकाउ ओ समस्या छै । आम जनताके ई पीड़ा कोन सरकार आ निकाय बुझत !’’ रामचौककेँ दोकनदार बिक्की साह दुःखनामा सुनौलक ।

बितिय संस्था-फान्यान्स कम्पनीस’ महिनाबारी,साप्ताहिक किस्ताबन्दी पर उठाओल रकम समयमे चुक्ता करहि पड़ैत छै । किस्ता पर रकम उठौने लोक किस्ता चुकता करब लेल धनपतिसभसंग साप्ताहिक किस्ता पर रकम उठाक सेहो चुकाब पर बाध्य बनैत छै ।
फाइन्यनन्स कम्पनीके ऋणमे घुमा फिराक २४ प्रतिशत ब्याज लाइग जाइत छै । छोटमोट व्यापारीलेल बिना धितो बन्हकीके रकम सातलाख धैर उपलब्ध भजाइत छै । ई एकटा सहुलियत छै । ततै किस्ता निर्धारित समय पर बुझाब नइ सकल लोककेँ बैज्जत बात ग्रुपमादे समाजिक प्रतारण सहए सेहो पड़ैत छै । अइस’ बाँचब लेल साहु महाजनसभस’ साप्तहिक ब्याजी रकम उठाक किस्ता चुकबैत देखल जारहल छै । दोसर नीयमित व्यापार ब्यवसाय करएबाला विश्वास पात्र व्यापारी व्यवसायीकेँ रोहवरमे मुजवानी रकम लैत दैत छै । जकर व्याज संसारमे कतहु नइ लेल जाएबाला ब्याज रकम होइत छै । मुदा खुइलक लोक बाजहूँ नइ चाहैत छै । आ गुप्पचुप्प गैरकानुनी मुजवानी लगानी लाखोमे होइत छै ।

अखनु जनकपुरधामके विभिन्नक्षेत्रमे रहल धनपतिसभ एहन गैर कानुनी मुजवानी रकम लगानी करैत छै से जनतब भेटल । १ लाख टाका रकम लेला पर एकसप्ताहमे १६ हजार ब्याज चुकाब पड़ैत छै । ई ब्याज रकम प्रतेक हस्ताह बुझाब पड़ैत छै । अहितरहें मुजवानी लगानी आ ब्याज असुली काज भरहल छै । जनकपुरधामके नगरक्षेत्रमे पीराड़ी चौक, कर्वडहौलकेँ एरिया दिस, पेठीयागाछी, जानकीनगर, सीताचौक, पुलचौकक्षेत्रमे रहल धनपति व्यापारीसभ अधिक करैत आएल छै ।

भेटल जनतब अनुसार एकलाख टाका मूइर रकमकेँ ब्याज सहित एकलाख सोरह हजार साते दिनमे बुझाबमे मिहिनतस’ कमायबाला लोककेँ एकतरहें आँइख निकैल जाइत छै । मुदा करो की ! एहन गैर कानुनी लगानी बझानी पर सरकार आ नइ सरकारक टहलुकेँ ध्यान जाइत छै । गरीब निर्धनकेँ नइ सरकार देखबैया छै, नइ समाजके तेहन कोनो धर्मात्मा ! नइ धन संजोगी धनपति आ नइ कोनो समाज सुधारक अइ पर बाजबाला छै । तखन हारता की नइ करताबाला बात पीडि़तसभकेँ आगु आइब जाइत छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया