गुठीप्रमुख एवं भूमिअतिक्रमणीसंग लसरघण्टीःजनप्रतिनिधि पर आक्रमण

२०७९ जेष्ठ ३०, सोमबार १६:५८
सीमाञ्चल समदिया

  • 502
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३मे गुठी हकिमके बदमासीस’ आक्रमण भेल छै । वार्ड नं.२३ अन्तर्गत रहल दुलहा दुलहीन मन्दिर बेलाकुट्टी अधिनस्तके जग्गह अतिक्रमणकारीसभ गुठी हाकिमके लसरघण्टीमे जनप्रतिनिधि समेत पर इंटा पाथर प्रहार क’क’ लोककेँ घाहिल बनौने छै ।

भेटल जनतब अनुसार गुठीके जग्गह अतिक्रमण क’क’ घर बनारहलके रोकब एवं अतिक्रमण मुक्त जग्गह कराएब हेतु बैसार बजाहट कएने छल । सोमदिन बेरियामे तीन बजेके गुठी कार्यालय जनकपुरधामके कार्यालय प्रमुख बैकुण्ठप्रसाद रेग्मीस’ भेटघांट कएलाह ।

भेंटघांट भेला पछाइत बेलाकुट्टीमे आइए सांझमे ६ बजे छलफल एवं अनुगमन हेतु चलल जाए मौखिक सहमति कएलाह । वार्ड नं.२३के अध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साह सहितके स्थानीय लोक किछु सञ्चारकर्मीकेँ बजौने छल । मुदा जे बात हाकिम रेग्मी अतिक्रमणकारीकेँ जाएस’ पहिनही अवगत करादेने छल ।

ओतह पुंगला पर गुठीअधिनके सरकारी भूमि अतिक्रमणकारीसभके स्थानीय अगुवाकेँ पूर्व सूचना ददेल गेल छल ओ लोकके आक्रमनी जमघट रबैयास’ आपरुप फरिछाएल ! अतिक्रमणकारीसभ हेंज बनाक इंटा पाथरसभस प्रतिबन्धित अस्त्रस’ आक्रमण वार्ड नं.२३के अध्यक्ष राघबेन्द्र साह सहित पर प्रहार करए लागल । महिलासभ मीरचाइके बूकनी सेहो जनप्रतिनिधिसभ पर फेकलक ।

एहितरहें अनुगमन एवं छलफल चुपचाप करब कहिक अतिक्रमणकारीसभकेँ जनतब पहिने कोनाक ददेल गेल ? अइ पर गुठी कार्यालय प्रमुख रेग्मी मौन भगेलाह । हमरासभकेँ इंटा पाथर नइ लागल ।

हमसभ एम्हररहिगेलीए..(‘ठुङ्गामुढा भएको तर मलाई लागेन’ म उता गइन !’) नेपाली भाषामे सीमाञ्चल समदियाकेँ प्रश्नके बारेमे एतेबे उत्तरा दैत, गुठी कार्यालय प्रमुख रेग्मी अपन सहयोगी तीनुगोटे सहित बेलाकुट्टी लगस’ लंक लाइगक भगलाह ।

गुठी जग्गह अतिक्रमण कएने एवं स्थानीयवासीबीचके तनाबके सहज बनाबके काज वार्ड अध्यक्ष साह कएलाह । एवं तत्काले धनुषाकेँ सिडियो सुरेन्द्र पौडेल, एवं उसपी तथा गुठी हाकिमके रण छोइरक भाइग गेला पछाइत जनतब देबके काज कएने अध्यक्ष साह बतौलाह ।

अतिक्रमणकारी’ भूमि अतिक्रमण मुक्त कराब सम्बन्धमे एहे जेठ बितल १६ गते सात दिने सूचना जनकपुरधाम वार्ड नं.२३स’ प्रकाशित कएलगेल छल । जिनकालग जे प्रमाण छै ओ लक’ वार्ड कार्यालयमे सम्पर्क कएल जाए ।

कोनो प्रमाण नइ रहल लोक १५ दिन भितर अतिक्रमित भूमि खाली करी, सूचनामे कहलगेल छल । जे पत्र सम्बन्धित सभ निकायके देलगेल छल । सूचनाके समय अवधि आइ जेष्ठ ३०गते समाप्त भेल ।

तहिस’ वार्ड अध्यक्ष साह नेतृत्वमे जनकपुर गुठी प्रमुख बैकुण्ठप्रसाद रेग्मीस’ पहिने समय ल’क’ भेट गेल छल । मुदा गुठी कार्यालयमे रेग्मी नइ छलाह । फोनसम्पर्क कएला पर वियाह मण्डपमे छी एतहि आएल जाए । ओतहि भेंटघांट भेला पर स्थलगत अनुगमन करब विषय पर सहमति कायम भेल,ओहो जनतब भेटल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया