गुठीके मनपर्दी, सरकार,प्रशासनके मौनता बिरुद्ध हजारो लोक सड़क पर उतरल

२०७९ असार ५, आईतवार ०५:३५
सीमाञ्चल समदिया

  • 212
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३ अन्तर्गत बेलाकुट्टीके भूमि अतिक्रमण मे भूमाफीयासंगे मीलक स्वयं गुठी संस्थान कार्यालय जनकपुरधामके बेसकीमती जग्गह बिराहाबमे लागल छै ।

सार्वजनिक सम्पतिकेँ संरक्षण कएल जाय बास्ते सरोकारबालासभकेँ जनघाती रबैयाप्रति सर्वसाधारणकेँ ध्यानाकर्षण समेत कराबलेल अखनु नगरमे विशाल सचेतना जुलुस प्रदर्शन कएल जारहल छै ।

स्थानीय नागरीक समाजव्दारा गुठी अधिनके भूमि-सम्पतिकेँ कोना अतिक्रमण कराओल जाइत छै । भूमाफिया, गुठी, प्रशासनसभबीचके लसरघण्टीसंगे जनकपुरधाम बेलाकुट्टीके साढ़े १७ बिघा भूमिपर गैरकानुनी कब्जा जमाक लोक बैसल छै । बांकी जग्गह पर सेहो नियोजित रुपस’ अतिक्रमण कएल जारहल छै ।

राज्यके प्रमुख निकाय अइमे कनेको चाँइख नइ लरहल छै । जनकपुरधाम वार्ड नं.२३मे समाजसेवी जनसुधारक युवा निर्वाचित जनप्रतिनिधि राघबेन्द्रप्रसाद साह वार्डअध्यक्षके रुपमे अएला पर अतिक्रमण रोकब प्रयास कएलक ।

मुदा भूमाफिया एवं गुठी हाकिम, कर्मचारी, भूमिसुधार कार्यालय नापी, स्थानीय प्रशासन समेतके संयन्त्रकेँ मीलीभगतमे अतिक्रमण करब कराएब काज निरन्तर होएत आएल छै ।

तेकर समेत भण्डारफोर करैत आइ अखनु जनकपुरधाममे स्थानीय २३ नम्बर वार्डवासी हजारक हजारके संख्यामे सहभागी भ’क’ अतिक्रमणी कुतत्वी बिरुद्ध बिरोध जुलुस प्रदर्शन करहल छै ।

रविदिन भिन्सर १०.३०बजे जनकपुरधाम बेलाकुट्टी लगिच बसपार्क लगस’ जुलुस शुरु भेल छै । नगरभैर जुलुस प्रदर्शन करैत राममन्दिर स्थित गुठी कार्यालयमे ज्ञापन बुझाओल जाएत । आयोजक नागरीक समाजके अगुवा केवल कुमार शर्मा सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।

गुठीमे ज्ञापन बुझौला पछाइत स्थानीय प्रशासन प्रमुख, जिला प्रहरी कार्यालय, मधेश प्रदेश सरकार प्रमुख, प्रदेश प्रहरी प्रमुख, समेतमे जनकपुरधाम वार्ड नं.२३ बेलाकुट्टी स्थित ‘ श्रीराम जानकी दुलहा दुलहीन भगवान’कुट्टीके गुठी अधिनके जेहो बाँचल जग्गह छै ओहिके भूमाफियास’ जोगाओल जाए सम्बन्धि ज्ञापनपत्र बुझाओल जाएत, सेहो जनतब संयोजक शर्मा देलाह ।

नागरीक समाजके विशाल जुलुसमे विभिन्न श्लोगन अंकित प्लेकार्ड ल’क’ सबवर्ग समुदायके करमान लागल लोक जुलुसमे सामेल देखल गेल छै ।

सरकार ! आतंकबादीसभस’ बेलाकुट्टीके भूमि बचाउ !
सरकार ! कत’ छै ? हमरासभके न्याय दिअ !
भूमिहिन नइ ! भूमाफियासभस’ भूमि बचाउ !
भूमिहिन नइ, भूमाफियासभस’ जनकपुरधामके बचाउ !
वार्ड नं.२३मे बसोबास कएनिहार हमसभ हिन्नु-मुश्लमान एक छी !

हमर नेता राघबेन्द्र साह जिन्दावाद ! जिन्दावाद !!
बेलाकुट्टीके आतंकबादीसभ मुर्दावाद ! मुर्दावाद !!
हमर अभियानमे सहभागी होउ ! सहभागी होउ !!
पित पत्रकारीता करबाला पत्रकार एवं सञ्चारमाध्यम मुर्दावाद !
बेलाकुट्टीके जग्गहमे रहबाला आतंकवादीस’ मुक्ती देल जाए !
लुटेरा गुठी संस्थान, हम्मर जग्गह फीर्ता कर ! फिर्ता कर !!
हमर सम्पतिमे दोसर सुखभोग नइ करो ! नइ करदेब !!
वार्ड नं.२३के हमसभ जनता एक छी ! एक छी !!

उल्लेखित अनुसार सहित विभिन्न आधासय जतेक प्रकारके श्लोगन अंकित कएल प्लेकार्डसंग लोक श्रीराम जानकी दुलहा दुलहीन भगवान बेलाकुट्टीके भूमि जोगाब लेल सकृय भेल छैथ ।

गुठीके मनपर्दी निति एवं स्थानीय प्रशासनके मौनता बिरुद्ध लोक आब सड़क संघर्षमे उतरल देखाइत छै । तथापि लगमे रहल प्रदेश सरकार मौन छै । स्थानीय सरकार प्रमुखके नेतृत्व सम्हारला एक महिना भगेलै ओहो गुम्मी लदने छै ।

एहनाअवस्थामे स्थानीयके एकबद्ध होएब साकारात्मक पक्ष छै । तहिस’ बाध्य भ’क’ स्थानीय लोक सड़क संघर्षमे उतरल छै । आब संघीय सरकार कि करैय, की ओहो मौन बैसल रहैए ओ देखब बांकी छै ।

कानुनी दायरामे लाइबक कार्यवाही कएल जाए चाही । तखन आपरुप अन्य अतिक्रमणकारी सरकारी सामाजिक जगगह समाजके लेल छोड़ सकैए !

गुठी सन-सन आओर सार्वजनिक सम्पतिके संरक्षण हेतु वार्ड नं.२३ बासीसभ जकाँ लोकके सकृय होबक चाही आ बेलाकुट्टी लगस’ किछुए भूमाफियाके खेहाइर भगाब चाही । चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया