गाजा-बाजासंग दशैं अन्तर्गत बेलनौती भेल

२०७७ कार्तिक ६, बिहीबार १५:५०
सीमाञ्चल समदिया

  • 74
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । दशैंक आइ छठम् दिन गाजा-बाजासंग बेलनौतिके विधि पुरा कएल गेल छै । जनकपुरधामके शक्तिपुञ्जसभ राजदेवी महारानी, बौधी माय, पल्टी माय, फूलेश्वरी माय, अमरखाना देवी,पीरडि़या माय, सोनाशतिमाय सहितमे पुजन आयोजनकर्ता समूहसभ द्वारा बेलनौती कएलगेल छै ।

जनकपुरधाममे दुर्गा भगबत्तीके माटिके प्रतिमा बनाक दशैंमे दुर्गाभवानीके पुजन कएल जाइत छै । प्रतिमा पुजन स्थलसभमे सेहो आयोजनकर्तासभ विधि विधानस’ घड़ी घण्टा बजबैत शंख फूकैत विभिन्न स्थानमे बेलनौतीके कार्य बृहस्पतिदिन पुरा कएलक ।

मिथिला नगरि जनकपुरधाममे जीरोमाइल लग बशिष्ठचौक पर बिगत एकदशकस’ दुर्गा पुजन आयोजन होइत आएल छै । रामानन्द चौक पर श्रीरामानन्द युवा कल्बद्वारा प्रतिमा पुजनके भव्य आयोजन होइत आएल छै । विद्यापति चौक मुरली सर दुर्गा पुजा समिति मादे भव्य आकर्ष क दुर्गा भवानी सहित कंश, बाघ, गणेश, लक्ष्मी पार्वती, शिव,ब्रह्मा, बिष्णु,गरुड़ आदि देवी-देवताके माटिके प्रतिमा बनाक दशो दिन लmोककेँ जमघट लगाक मेला आयोजन कएल जाइत छै । जेकर अपनतरहके आकर्षन रहैत छै ।

श्रीराम-जानकी युवा कमिटीके संस्थापक अध्यक्ष विनोदकुमार साहके प्रयासस’ एवं मदिरा व्यवसायी अजय साहके सम्पूणर् लगानीमे जीरो माइल पर दुर्गा पुजनोत्सव आयोजन होइत आएल छै । एतुका दुर्गा सहित विभिन्न देवी देवताके भव्य आकर्ष एवं फरक शैलीके रङ्ग समिश्रणके सुन्दर प्रतिमा निर्माण कएल जाइत छै । बेस देखनहुत होइत छै । अहुबेर भव्य आयोजन भेल छै । दुर्गा पुजा समिति मादे कएल जाएबाला सम्पूणर्कार्य हेतु आइ बेलनौती पर्वके झांकी सेहो प्रदर्शन कएलगेल ।

बालिकासभ माथ पर कलश राखिक महिला पुरुष सीमित संख्यामे सामेल भ’क’ गाजाबाजा सहित पवित्र सरोवर गङ्गासागरमे जल भैरक नगर परिक्रमा कएलगेल । खड्क धारण कए तरवार सहित बेलनौती करैत आयोजनकर्ता मादेके अगुवा अजय एवं विनोद साह बेस झाँकी बहार कएने छल ।
राममन्दिर स्थित राजदेवी मन्दिरके सजावट व्यवस्थापन श्रीमहावीर युवा कमिटी एवं बौधीमायमे श्रीराम युवा कमिटी व्यवस्थापन करैत आएल छै । जनकपुरधामके दशैंके प्रमुख केन्द्रास्थल एतुके होइत छै । कोरोना महामारीके संक्रमणके कारण अइबेर बहुतराश साज सज्जा तेहन नइ कएलगेल छै । थोरबेमे आकर्षक करब प्रयास भेल छै । रामयुवा कमिटीके अध्यक्ष उपेन्द्र ठाकुर जनौने छैथ ।

तहिना महावीर युवा कमिटीके अध्यक्ष सन्तोष साह बलिप्रदानके मुख्य काज अइबेर राजदेवीमे नइ होएत । लड्डू चढाबके लेल सेहो । भीड़भाड़ होए तेहन कोनो काज नइ कएल जाए लेल लोकस’आग्रह ओ कएने छैथ । बेराबेरी लोक दर्शन पुजन कसकैए ओइके व्यवस्था कएलगेल छै । मास्क अनिवार्य कएल गेल छै । सेनिटाइज कराक लोकके हात धोआक देवी दर्शन स्थल धैर जाएके व्यवस्था कएलगेल छै । ई कोरोनास’ जोगब लेल सराहनीय प्रयास भेल छै । तथापि लोकके अपनो सावधानी अपनाबही चाही सेहो तर्क अध्यक्ष साह देलाह । चित्र-उपेन्द्रभगत नागवंशी

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Maithili Kalakar
राज्यसिनेहस’ उपेक्षित मैथिली सिनेकलाकारसभ सम्मानित
२०८० असार ३१, आईतवार ११:३४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पाँचसय वर्ष पुराण मिथिला परिक्रमा-यात्रा मटिहानी पुंगल
२०७९ फाल्गुन ११, बिहीबार २०:१९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
साहित्यकारसभाके वार्षिक उत्सवमे विभिन्न श्रष्टा सम्मानित
२०७९ माघ ७, शनिबार २२:०४
सीमाञ्चल समदिया
भूत आ कालके भगाबबाला लोकोत्सव एवं चन्द्रग्रहण आइ
२०७९ कार्तिक २२, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया
विद्यापति पुरस्कार कोष पाँचस्रष्टाकेँ लाखो रकमस’ पुरस्कृत करत
२०७९ कार्तिक २०, आईतवार १६:१२
सीमाञ्चल समदिया