सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । राष्ट्रके चारिम अङ्ग मानल जाएबाला सञ्चारक्षेत्र आ ओकर वाहक सञ्चारकर्मीकेँ बराइ प्रशंसा बेस कएल जाइत छै । मुदा आपत बिपत परला पर देखबाला नहिए जकां होइत छै । एहन बिडम्बनास’ बहुतराश सञ्चारकर्मी-पत्रकारकेँ नितदिन गुजर पड़ैत छै ।
कलमके बल पर मात्र जीयबाला,स्वच्छ निष्पक्ष आ पत्रकारिताकेँ मूल्य मान्यताके आधारमे मर्यादित पत्रकारिता कएनिहारके संग आओर समस्या आबैत रहैत छै । काम अनुसार कार्यरत् सञ्चारिक प्रष्ठिानस’ दाम नइ भेटैत छै, मुदा बाहबाही अवश्य भेटैत छै । जाहिके प्रतापस’ जीवन नइ जीयल जासकैए । भौत्तिकवादी बर्तमान युगमे समाजिक कोरल सीमा रेखाकेँ पालन करैत चलहि पड़ैत छै ।
देश संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र युगमे आइब गेल छै । दलके नेता, नीति निर्माणतहमे बैसलाह, लगुवा भगुवा, ढोलकीया सभकेँ सभ गौं ताइकक अपन सुतार बैसालैत छै । पँचोआँगूर घीयुमे बोरने रहैत छै । मुदा सुच्चा पत्रकारकेँ आर्थिक खगताके कारण बहुतराश समस्यास’ सामना करैत रहए पड़ैत छै ।
अखनु प्रदेश दूके अन्तर्गत कतेको पत्रकार अनेक कारणस’ समस्यामे पड़ल मुदा तिनुतहके सरकार सञ्चारक्षेत्रमे क्रियाशील पत्रकारकेँ लेल आँइख मुइन लेने छै । रौतहट जिलाके सक्रिय पत्रकार मात्रे नइ पत्रकारकेँ नेता अखनु समस्यामे पड़ल छै । हुनका देखबैयाकेँ दरकार छै ।
नेपाल पत्रकार महासंघ रौतहटकेँ पूर्वअध्यक्ष, कान्तिद्वार दैनिक पत्रिकाकेँ सम्पादक प्रकाशक प्रेमचन्द्र झाकेँ मोटर साइकिल दुर्घटनामे पैरक दाहिन पयर क्रेक भगेल छै । हुनक पयरमे पलष्टर कएलगेल छै । तिनमहिनाधैर एकदम्म आराम करब लेल चिकित्यसक कहने छै ।
कोरोना महामारीमे अहुना आर्थिकरुपस’ पत्रकारिताक्षेत्रस’ जुड़ल लोक कमजोर पैर गेल छै । दशैंसन राष्ट्रिय पर्व लग आइबगेल छै । एहनमे समाजस’ बेसी सरकारकेँ देखब बेगरता छै । मात्र मूँहस’ शिघ्र स्वास्थ्य लाभ कहलास’,गेट विल सून लीख देलास’ नइ हएतै । स्थानीय सरकार, प्रदेश सरकार आ संघ सरकारकेँ सेहो अइपर ध्यान जाएके चाही ।
अइ आश्विन शुरुस’ आइ शुक्र दिनके अवधि धैर दर्जन जतेक पत्रकार जनकपुरक्षेत्रमे मात्र विभिन्न तरहें कष्ट भोगी बनलाह । जाहिमे गम्भिर रुपस’ पत्रकार झा, धनुषा जिला जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.१६ निवासी श्रीनारायण साह, धनुषा बैनगामाके निरन्जन साह, रघुनाथपुरके पुरन साह, महोत्तरी निवासी पत्रकार राजकरण महातो, धनवीर कुश्वाहा शारिरीक कष्ट भोग पर बाधित भेलाह । महातो बर्दीवासके केन्द्र बनाक पत्रकारिता करैत आएल छै । ओ कोरोना संक्रमणस’ लैड़ रहल छैथ ।
प्रतिक्रिया