गद्दीसीन भेलाह प्रदेश-२मे चारिम प्रदेश प्रमुख हरिशंकर मिश्र

२०७८ भाद्र १, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया

  • 49
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम-१गते, भादव । महान प्रजातन्त्र सेनानी,पूर्वमन्त्री स्वर्गिय रामनारायण मिश्रकेँ पुत्र हरिशंकर मिश्रकेँ आइ विधिवत् प्रदेश-२के प्रदेश प्रमुखमे नियुक्त कएलगेल छै ।

नेपाली काँग्रेसके सभापति,प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा नेतृत्वके वर्तमान सरकारके संघीय मन्त्री परिषद्के सिफारिसमे गणतान्त्रिक नेपालके पहिल महिला राष्ट्रपति श्रीमति विद्यादेवी भण्डारी मिश्रकेँ प्रदेश प्रमुखमे नियुक्ति कएलीह ।

नेपाली काँग्रेसस’ सम्बद्ध पूर्व संसद मिश्रकेँ एकदिन  आगु संघीय मन्त्री परिष्दस’ प्रदेश प्रमुख चयन हेतु नाम छनौट कए नियुक्ति हेतु राष्ट्रपति समक्ष पत्र पठाओलगेल छल ।

नवनियुक्त प्रदेश प्रमुखकेँ संक्षिप्त जनकारी
नवनियुक्त प्रदेश प्रमुुख मिश्रके जन्म २००२ सालमे महोत्तरी जिलाके पीपरा गाममे भेल । हुनक पिता जेलमे रहैत काल २०१९ सालस’ मिश्र नेपाली काँग्रेस मादे राजनीतिमे सक्रिय भेल छलाह ।

अपन पिताके जकाँ प्रजातन्त्रके लेल अग्रसरता लेने छलाह । कक्षा ०९मे अध्ययनरत् कालमे प्रजातन्त्रलेल झण्डा उठाक फहरौला पर कारवास भोग परलैन । महोत्तरीके जलेश्वर कारागामे अढ़ाइ महिना जेल कटला पर नाबालक जानिक पछा रीहा कएलगेल छल ।

बहुदलीय प्रजातन्त्र प्राप्ति पछाइतके २०४८ सालमे महोत्तरी क्षेत्र नं.३स’ ओ प्रतिनिधिसभामे निर्वाचन लड़ला आ विजयी भेलाह । ओकराबाद दूबेर फेर ओहिक्षेत्रस’ काँग्रेसके टीकट पर निर्वाचनमे सहभागी भेलाह मुदा दूनुबेर पराजयके मूँह देख परल छलै ।

७६ वर्षिय मिश्र प्रदेश प्रमुख बनाबमे नेपाली काँग्रेस पार्टी एवं ओकर गठबन्धनमे रहल सहयोगी दलसब सम्मलित भेल सरकार ‘‘ जे भरोसा क’क’ प्रदेश प्रमुखमे नियुक्त कएलक अइ ओहिके मान हम राखब’’ अपन संक्षिप्त प्रतिकृया दैत पत्रकारसभकेँ कहलाह ।

संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र देश बनला पर तीनवर्ष आगु प्रदेश कायम भेला पछाइत रत्नेश्वरलाल कायस्त प्रदेश प्रमुख भेल छलाह । हुनका बाद तिलक परियार आ फेर डा.राजेश झा अहिराज प्रदेश प्रमुख छलाह । प्रदेश दूमे मिश्र चारिम प्रदेशप्रमुख रुपमे गद्दीसीन भेलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया