गतिमान बनल हुलाकी राजमार्ग निर्माण पुनः अबरुद्धता दिस, ठेक्का निरस्त दिस निर्देशनालय

२०७७ आश्विन २८, बुधबार ०७:०९
सीमाञ्चल समदिया

  • 33
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सम्पूर्ण तराईक्षेत्रके जोड़बाला छोट दूरीके बाट हुलाकी राजमार्गके धनुषामे निर्माण काजमे तिब्रता आएल छै । हुलाकी राजमार्ग अन्तर्गत धनुषामे आ सिरहा जिलाके जोड़बाला लगिचके बाट निर्माणके काजमे आएल अबरुद्धतास’ काज ठमकल छल । आब फेर ठमकत तेहन प्रवल सम्भावना देखाइत छै ।

कमला नदिस’ पश्चिम धनुषा जिला सदरमुकामधैर विभिन्न स्थानमे स्थानीयद्वारा बेरबेर कोनो नइ कोनो बहन्ने बाट अबरुद्ध करब काज होइत रहल । ओहीके बहाना बनाक निर्माणकर्ता ठेकेदार काम-काज ठप्प करैत आएल छल । जाहिस’ आधादशकस’ बेसी समय पीचिङ्ग काजमे बीतगेल मुदा काज पुरा नइ हुअ सकल छै । लोककेँ पूर्वी धनुषास’ सदरमुकाम जनकपुरधाम आबाजाही करबमे सार्वाधिक फिरसानी उठाब परैत छै । एम्हर सरकार कड़ाई करब बात कहला पर आ समाजक लोक सेहो सहज भेला पर काज सुचारु भेल ।

पुरुबमे कमला नगरपालिकाके सघारस’ बिदेह नगरपालिकाकेँ तिनकौडि़याचौकस’ कनेक पश्चिमधैर पक्कीपीच बाट हुलाकीके निर्माण भचुकल छै । तिनकोरियास’ पश्चिम पुललगस’ जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका अन्तर्गत भोइलधैर पक्कीपीचके काज नइ हुअ कसकल छै । हुलाकी सड़कस’ जुड़ल गामसभमे पककी नाला निर्माणके काज सेहो करब सम्झौता ठेकेदार संगे छै । औरही गाम पालिकाके कपटौल, औरही, परवाहा, देउरीमे सड़क बिस्तारमे मूलसमस्या होइत छल । अखनो अइसभ ठाममे किछु ने किछु समस्या अछिए ।

पहिने लोक हुलाकी राजमार्ग आयोजना संगे सहमति कएलक जाहिमे घरके मूल्याकंण ततकाल आ जग्गह के मूल्याकंण लेल पाछा नेपाल सरकारस पहल क’क’ दिआओल जाएत बात भेल छल । लोक घर मुआब्जा ल’क’ स्थानीयसभ विकासी काजमे सहयोगी अइ गामठामकेँ लोक भेला पर काज करब कराएब बातावरणमे सहजता आएल काज सुचारु भेल । मुदा फेर भोइल, कप्टौल, देउरी, परवाहा, एक ठाम तिनकौडि़यामे बिवाद परल छै ।

अइ ठामसभकेँ स्थानीय हुलाकी राजमार्ग निर्देशनालयके आयोजना प्रमुख राजेन्द्र दासस’ सम्पर्क कएला पर-‘‘ पूर्वमे भेल सहमति अनुसार स्थानीयके आग्रह करैत आएल छिऐ काजमे अबरोध नइ करु । जग्गहके मूल्यांकण अनुसार नेपाल सरकार मुआबजा देतै । मन्त्रालय फाइल मागं कएने छै । मुदा सरकारी काज छै समय लगतै । घरके मुआबजा देलगेल छै । सम्बन्धित सभकेँ ओहि समयमे सहमति बनल, जाहिके स्थानीयसभ अखनु नइ माइन रहल छै । लोक निवेदनो देने छै जे मन्त्रालय पठा चुकल छी,’’ बतौलाह ।

२०७२-०७३मे ठिक्का लागल काज अखनुधैर पुरा नइ हुअ सकल छै । बेरबेर काजमे अबरुद्धता अएने, आन्दोलनी बन्दी, कोबिडके ६ महिने बन्दाबन्दी इत्यादि समेतके कारणस’ समय लागल ठेकेदार कम्पनी आब काज करबमे सहो आनाकानीक करहल छै । अवस्था एहन भगेल छै जे ठेक्का तोइरक रद्द करए पड़तै आ फेरस’ ठेक्का लगाक काज होतै जाहिमे समय फेर लगतै तेहन अवस्था आएल छै । हुलाकी सड़कराजमार्ग निर्देशनालयके प्रमुख दास सेहो बतौलाह ।

अखनु परवाहा, देउरी आ भोइलमे सड़कके कातेकाते पक्कीनाला निर्माणके काज एवं ग्रेभल लेवके काज भरहल छै । तेकराबाद पीच होएत । भोइलस’ पश्छिम आ जनकपुरधाम कदमचौक धैर पहिनही पीचीङ्ग भचुकल छै मात्र कनेक महुवा-कपलेश्वर प्रहरी बृत्तस’ कपलेश्वर गामधैर कनेक दूर पीच करब बाँकी छै ।

धनुषा जिलामे कमला नगरपालिकाके लग्मा सघारास’ कदम चौकधैर कूल २५ किलोमीटर हुलाकी राजमार्गके निर्माण हेतु १२/१२ किलोमीटरके दू चरणके पेकेज लामा रमण जेवी निर्माण कम्पनी एवं ५ किलो मीटरके पैकेज ढुकसटी कन्स्ट्रक्शन प्रालिके मादे होइत आएल छै । हाल धैर १५ किलोमीटरधैरके निर्माण काज पुरा भचुकल छै ।

बिशेष रुपस’ हुलाकी राजमार्ग अन्तर्गत सटल गामगामसभमे बिबाद छै । ओ बिवाद नियोजित आ राजनीतिक दलके अगुवासभ अपन अपन बर्चश्ववादिताके लेल सेहो उत्पन्न कराबैत आएल छै । एहन राजनीतिक दुष्परिणामके नतिजा हुलाकी राजमार्ग निर्माण आधा शताब्दियोमे पुरा नइ हुअ सकलके भोग आमसर्वसाधारण जनताकेँ भोग पर बाधित कएलगेल छै । जाहि सम्पूर्ण समुदायके घाटा छै,         कोनो सरकार आ ठेकेदारके मात्रे नइ, ई बुझब आवश्यक छै ।  शब्दचित्र -उपेन्द्रभगत नागवंशी

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया