गठबन्धनके उम्मेदवार जनताके घर-देहरीमे पुंग लागल

बजलाह परमेश्वरःएमकीबेर गठबन्धन सरकार संघीयता अनुरुप राजधानी कायम करत

२०७९ आश्विन ३०, आईतवार २१:०८
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com

  • 35
    Shares

जनकपुरधाम । धनुषा जिला निर्वाचनक्षेत्र नं.३स’ प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभा लेल गठबन्धनके उम्मेदवार संयुक्तरुपस’ मत मांगब हेतु जनताके घर देहरी पर आइस’ पुंगब शुरु कएने छै ।

 

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वडा नम्बर १स’ सत्ता गठबन्धनके उम्मेदवार अनिल झा, परमेश्वर साह मत मांगब हेतु पुंगलाह । स्जनकपुरधाम रेल्वे स्टेशन एरियास’ चुनावी मत मांगब हेतुके पहिल दिनक शुरुआत कएलगेल जनतब भेटल ।

 

धनुषा-३स’ सत्ता गठबन्धनस’ प्रतिनिधिसभाके उम्मेदवार अनिल झा एवं धनुषा ३(ख)स’ प्रदेशसभा सदस्यके उम्मेदवार परमेश्वर साह छैथ । रौतहट जिला त्यागिक धनुषामे प्रतिनिधिसभाके उम्मेदवार बनल झा धनुषा तीनकेबासीस’ अगाध माया-सिनेह पाएब ओ विश्वाससंग आएल बतौलाह ।

 

जनपतियार बनबैत जनताके घर देहरी पर पुंगला पर मतदातासभ गठबन्धनके गांठ मजगुत करब पक्षमे रहत सेहो धारना सीमाञ्चल समदिया समक्ष ब्यक्त कएलाह ।

 

तहिना धनुषा-३(ख)स’ पुनः अहूबेर प्रदेशसभा सदस्यके उम्मेदवार बनल साह-‘‘संघियताकेँ संस्थागत करब हेतु जन भरोसे अहुबेर उम्मेदवारी देल बतौलाह । प्रदेशके नामाकरण भेल, जनकपुरधाम राजधानी बनाओल गेल जाहिमे हमरो योगदान रहल । तथापि संघियताके मर्म अनुरुपके काज अगा नइ बढ़ सकल’’ ताहि प्रति ओ दुःख ब्यक्त कएलाह ।

 

जनकपुरधामकेँ राजधानी बनाओल त’ गेल मुदा राजधानीकेँ स्वरुपमे लाबक काज संघियता अनुरुप नइ होब सकल छै । एमकीबेर गठबन्धनके सरकार बनत त’ ओ काज अरबैसक हमसब पुरा कराएब ओहो प्रतिवद्धता युवा नेता साह व्यक्त कएलाह ।

 

कार्यक्रममे लोसपा सम्बद्ध युवा नेता प्रमोद यादव, जिबेन्द्र झा,प्रशान्त झा, रामबिनोद चौधरी, सरिता शर्मा, सुनिलकान्त ठाकुर, सदाशिव मिश्र, मो.अम्बर, राजु साह, सुनिता मेस्तरनी सहितके सहभागिता छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया