खेलकूद सन सृर्जनात्मक कार्यमे युवासभ लागो-मेयर मण्डल

२०७७ आश्विन २०, मंगलवार ०६:१५
सीमाञ्चल समदिया

  • 107
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके हँसपुर नगरपालिका अन्तर्गत भलिबल खेल कार्यक्रम समापन भेल छै । भलिबल खेलमे सहभागी सभके पुरस्कार सहित सम्मान करैत समापन कएलगेल छै । भेटल जनतब अनुसार श्री बिश्वकर्मा भलिवल टिम बघचौराव्दारा भलिबल खेल आयोजन कएलगेल ।

                                               प्रथमपुरस्कार प्रापकके ट्राफी प्रदान करैत हँसपुरके मेयर रामज्ञान मण्डल ।

खेल समापन कार्यक्रम प्रमुख अतिथि हँसपुर नगरपालिकाकेँ मेयर रामज्ञान मण्डलके प्रमुख आतिथ्यमे भेल । ‘‘ आजुक युवासभकेँ सृर्जनातमक काज खेलकुदके कार्यमे लगौलास’ कुलतमे नइ फंसद । समाजिक उत्तरदायित्व वहनकारी भूमिका हेतु दक्षता सेहो प्राप्त करए सकत । तहिस खेल आ खिलाड़ीके हरेकस्तर पर प्रोत्साहन देल जाए चाही । ’’ मेयर मण्डल अपन संक्षिप्त सम्बोधन समापन समारोहमे राखैत कहलाह ।

हंसपुर नगरपालिका वार्ड नं ०२ खत्वे टोलम विश्वकर्मा भलिबल टीमद्वारा आयोजित खेल पुरस्कार कार्यक्रम मदन मण्डलके अध्यक्षतामे भेल । भलिबल खेल कार्यक्रम एहे आश्विन बितल ०३ गते उद्घाघाटन भेल छल । जकर समापन आइ भेल । भलिबल प्रतिस्पर्धात्मक खेलमे कूलम् २२ टिम सहभागिता जनौने छल । आजुका फाइनल खेलमे आयोजक टिम आ कटरैत टिमबीच भेल छल । जाहिमे कटरैत टिम प्रथम एवं आयोजक टिम दोसर स्थान प्राप्त कएलक । प्रसाही टिम तेससर स्थानमे बीजयी प्राप्त कएलक । पुरस्कार वितरण संगे खेल समापन भेल ।

  भलिवल खेलके पुरस्कार वितरण कार्यक्रममे मेयर मण्डल, उपप्रमुख रेणु झा, वडाध्यक्ष उदय साह, युवा समाजसेवी रमणकुमार सिंह,युवा नेता कमलेश साह, मंगला मण्डल ,पुने मण्डल ,राजन मण्डल ,  सहितकेँ भद्रभलादमी,खेल प्रेमीसभकेँ बेसी सहभागीता छल । खेल एवं पुरस्कार बितरण कार्यक्रम श्री बिश्वकर्मा भलिबल टिम बघचौरा आयोजन कएने छल । विजयी टीम आ खिलाडीसभकेँ ट्रफी-कप आदि पुरस्कार स्वरुप बितरण कएलगेल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Maithili Kalakar
राज्यसिनेहस’ उपेक्षित मैथिली सिनेकलाकारसभ सम्मानित
२०८० असार ३१, आईतवार ११:३४
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पाँचसय वर्ष पुराण मिथिला परिक्रमा-यात्रा मटिहानी पुंगल
२०७९ फाल्गुन ११, बिहीबार २०:१९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
साहित्यकारसभाके वार्षिक उत्सवमे विभिन्न श्रष्टा सम्मानित
२०७९ माघ ७, शनिबार २२:०४
सीमाञ्चल समदिया
भूत आ कालके भगाबबाला लोकोत्सव एवं चन्द्रग्रहण आइ
२०७९ कार्तिक २२, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया