सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । प्रदेश दूमे बालिका बलात्कार आ हत्याके श्रृखंला रुइक नइ रहल छै । विशेष रुपस’ दलित समुदाय उपर एकबादे एक घटना दोहराइत तेहराइ आइब रहल छै ।
धनौजी गाउँ पालिका अन्तर्गत फेर भेल बलात्कार आ हत्याके पछिला श्रृखंलामे दलित बालिका थपाएल छै । धनौजी गा.पा.वार्ड नं.१ लखौरी निवासी लक्ष्मी दासकेँ सोरह/सतरह वर्षके बेटी अमेरिका कुमारी दासमृत अवस्थामे खत्तामे फेकल भेटल छै ।
खत्तामे मरल पाइनमे छताएत अमेरिकाके अवस्था देखला पर सामूहिक बलात्कारकेँ सिकार भेल अनुमान दबले स्वरे स्थानीयसब कनापूसीमे बतिया रहल छै । प्रहरी घटनाकेँ छानविनमे लागल छै । शवपरिक्षण कराबके काज भेल छै रिर्पोट आएब बांकी छै ।
राइतमे अमेरिका अपन घरमे सुतल छल । भोरे मृत अवस्थामे घरक आगुएके पनियाउमे फेकल मरल भेटल । गाममे ओना मृतक बालिका डूइबक मरल बात सेहो किछु गौवँसभ कहैत छै । मुदा स्मरणीय बात ई छै भैर ठेहुन पानि १६/१७ वरिसके बालिका डूब नइ सकैए एहो अनुमान लगाओल जारहल छै । घटना बृहस्पतिदिनके छै । निश्चित रुपस’ रहस्यमय छै ।
दलित नेता चन्देश्वर दास एवं युवा वीरेन्द्र पासवान घटना दुखदायी छै सामूहिक बलात्कारके बाद हत्या कएल गेल छै जाहिबातकेँ गम्भिर छानबिन हुअ चाही आ दोषी पत्ता लागककेँ सजाय भेटक चाही बतौने छैथ ।
प्रतिक्रिया