सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सरसफाई स्वास्थ्य समृद्धिकारक होइत छै । सुथरता उत्तम स्वास्थ्य समृद्धिके परिचायक होइत छै । लोकके निरोगी काया रहत तखने किछु निक अथवा अधलाह कार्य कर सकत ।
अइ अभिप्रायस’ एवं सुथरता-सफाईप्रति जन जागरुकता बढाब लेल धनुषा जिलाके पूर्वीक्षेत्रके गाम खजुरीमे सरसफाई कएलगेल छै ।
समाजक अगुवा राजकुमार झाके अगुवाईमे गौवांसभ सहित सफाई अभियानमे शनिदिन जुटलाह ।
जाहि काजमे शसस्त्र प्रहरी बल एवं नेपाल प्रहरीके जवानसभ सेहो अग्रसर रहिक सफाइ काज कएलाह । जनकनन्दनी गाउँ पालिका अधिन रहल खजुरीके अतिप्राचीन स्थल खजुरी हाटक्षेत्र, लक्ष्मीनारायण मन्दिरके चौबगली सफाई कएलगेल छै ।
महिनो महिनास’ जमल गर्दा-माटि, हटाबके, झाड़-पात, फोहर, बहारनसभकेँ खखोइरक बाट-घाट साफ सुथर करब काज सफाई अभियन्तासभ संयुक्त रुपमे कएने छै । जाहिस’ समाजमे एकटा साकारात्मक सन्देश गेल छै ।
नीयमीत सफाई होए ओहि लेल अगुवासभकेँ पहल एहिना समय-समय पर होइत रहक चाही तखने गामघरमे सुथरता कायम रह सकत । एकदिन कएने नइ होएत । सभके सफाइप्रति जागरुक बनाब लेल समय समय पर सफाइ करैत रहलास’ लोक लाजोपछे अपन देहरी आगुके पयरा साफ सुथर राखत । नेपाली काँग्रेसस’ सम्बध्द सेवानिबृत प्रशासक स्थानीयबासी रामआशिष मण्डल बतौलाह ।
प्रतिक्रिया