सीमाञ्चल समदिया
कोरोना महामारीकेँ अखनुका समयमे अइनाम पर राष्ट्रसेवक एवं जनसेवकसभद्वारा कोना ब्रह्मलुट मचाओल जारहल छै । ओ बात उजागरकर्ता देशक चारिमअङ्गकेँ मूँह सीलिअ लेल विभिन्न पैतरा अपनओल जारहल छै । तकर टटका सीकार भेलाह पत्रकारद्वय अकुलप्रसाद साह एवं राकेश साह ।
कहबी छै ‘साँचमे आँच की’ मुदा प्रदेश दूमे विधि व्यवस्थापनकेँ पालनकर्ता साँचके आँचमे डाहिक चारिमोअङ्गकेँ चुप्प कराब चाहैत छै । नइ मानला पर चारिमअङ्गकेँ अङ्ग-भङ्ग धैर कदिअलेल धमकी चेतौनी देल जारहल छै । जे बात पीडि़त सञ्चारकर्मीसभ स्वयं अपन सामूहिक छाता संगठनकेँ नेतृत्वकर्ताकेँ बतौने छै । नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाशाखा अपन परिवारक सदस्यकेँ देल जारहल धाक-धमकीकेँ निन्दा करैत सम्बन्धितपक्षकेँ खबरदारी करबैत विज्ञप्ती मादे सचेत सेहो करौलक अइ ।
कोबिड-१९ संक्रमित नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाशाखाके सहसचिव एवं मिथिला जागरण साप्ताहिक पत्रिका एवं अनलाइनकेँ सम्पादक समेत रहल अकूलप्रसाद साहकेँ धमकाओल गेल छै । तहिना पत्रकार राकेश साहकेँ सेहो कोरेन्टाइनमे रहल अवस्थामे धमकाओल गेल छै ।
कोरोना पोजेटीव राकेश साह नगराइन नगरपालिका अन्तर्गत गंगुली स्थित मिथिला आयुर्वेदिक अस्पतालमे रहल क्षेत्रीय क्वारेन्टाइनमे भर्ती छै । एशियाकेँ सबस’ उत्तम व्यवस्थापनबाला कोरेन्टाइन कहिक सरकारद्वारा प्रचारित कएलगेल केँ फोहरी ब्यवस्थापन, खानपान समेतके व्यवस्था देखक सत्यतथ्य उजागर कएला पर हुनका धमकी देलगेल छै ।
मिथिलाञ्चल एफएममे कार्यरत् पत्रकार साहकेँ ‘‘जथाभावी नइ बाज, चेतौनी सहित धमकी ओतह देलगेल छै ’’ । असल लोकजकाँ निर्भिकतापूर्वक कोरोना संक्रमणस’ लड़ैत आएल साह ओतुका अव्यवस्था, विकृति एवं अनेक तरहक कमी कमजोरीकेँ सञ्चारमाध्यम आ सञ्चारकर्मीसभकेँ बात शेयर करैत अएलाके ओजहस’ धमकी देलगेल छै ।
तहिना कोरोना पोजेटीव पत्रकार अकुलप्रसाद साह सपही स्थित आइशोलेसन केन्द्रमे छै । मापदण्ड अनुसार सञ्चालन नइ रहल महिनादिनस’ इन्टरनेट सेबा अबरुद्ध कएलगेल छै । जाहिस’ ओतह रहल आनआन लोककेँ सेहो समय काटब कठिन भगेल छै । संगहि एकटा पत्रकारकेँ सूचना आदान प्रदानक काजमे विराम लाइगगेल छै । ओहोके ध्यानाकार्षण करौला पर हुनको धाक धमकी दिअकेँ काज व्यवस्थापनपक्षस’ भेल जनतब प्राप्त भेलछै ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषा अपन परिवारिक सदस्य पर राज्यक निकायद्वारा भेल आ भरहल उल्लेखित घटनाप्रति खेद व्यक्त करैत धाकधमकी दिअके काज एवं संक्रमित लोक उपर अमानवीय क्रियाक्लाप तत्काल बन्न कएल जाए, सम्बन्धित पक्ष मांग कएने छै ।
महासंघके सचिव पुरन साह हस्ते जारी विज्ञप्तीमे कोरोना संक्रमितसभकेँ जम्मा क’क’ राखल जाएबाला ‘कोरोन्टाइन’, ‘आइशोलेसन’ सेन्टरकेँ मापदन्ड अनुसार सञ्चालन कएल जाए, संक्रमितसभकेँ मापदन्ड अनुसारकेँ खानपान, वास व्यवस्था,उचित परामर्श, एवं आवश्यक उपचार सेवा प्रदान कएल जाए ।
अखनुका विसम् परिस्थितिमे सेहो जनताकेँ सूसूचित हुअबाला अधिकारकेँ सुनिश्चितता लेल ततर्पताक संग चौबिसो घण्टा जान परान जोखिममे राइखक काज कएनिहार प्रति दुव्यवहार करब संक्रमित अन्य लोककेँ सेहो धाक धमकी देब जेहन अमानवीय काज तुरन्त बन्न कएल जाए ओ बात महासंघ धनुषा जोरतोड़स’ कएलक अइ ।
प्रतिक्रिया