सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । कोरोना महामारीके चपेटामे परल मतारी बेटा दूनु एकेसिरहन्ने संसारस’ चैल गेल । प्राप्त सूचना अनुसार सुनसरी जिलाके धरानमे कोरोनास’ मायबेटा दूनुकेँ मृत्यु भेल छै ।
कोरोना संक्रमित धरान नगरपालिका वार्ड नं.१७ के ७४ वर्षके एकटा महिला एवं ६० वर्षके एकटा पुरुषके आइ रविदिन भोरे मृत्यु भेल छै । मृत्यु हुअबाला दूनु बृद्ध-बृद्धा आपसमे मतारि-बेटा छल ।
धरान स्थित बी.पी. कोइराला स्वास्थय विज्ञान प्रतिष्ठानकेँ कोरोना विशेष अस्पतालमे दूनुगोटेके उपचार भरहल छल ।
मतारिबेटाके शनिदिन उपचार हेतु अस्पताल भर्ती कराओल गेल छल ।
मधूमेह(डायभिडिज)एवं उच्चरक्तचाप( हाइब्लडप्रेसर)के रोगीे मतारि-बेटा छल । उपरस’ कोरोना पोजेटिव सेहो भगेल छल से जनतब ओतुका चिकित्सक सञ्चारकमीृकेँ बतौने छै । मृतकद्वायकेँ नेपाली सेना शवके शदगत कएलक आहो जनतब भेटल ।
प्रतिक्रिया