सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । विश्वमहामरीके रुपमे फैलल कोबिड-१९केँ संक्रमितको संख्या हमरोसभके देशमे दिनानुदिन बढ़ैत जारहल छै । आइ बुधदिन ई समाचार लीखबधैर कोरोना संक्रमणस’ प्रदेश दूमे मात्र दूगोटेके मृत्यु भगेल छै । ततै बितल चौबिस घण्टाके अवधिमे प्रदेश २ अन्तर्गक ५ महिला आ ४४ पुरुष सहित कूल ४९ गोटेमे कोरोना भाइरसके पोजेटिव संक्रमणकेँ पुष्टि भेल छै ।
प्रदेश दूके सामाजिक विकास मन्त्रालय देने सूचना अनुसार धनुषा जिलामे ६ गोटा, महोत्तरीमे ३, सर्लाहीमे ४ , सिरहामे १३,पर्सामे १२, बारामे ९, रौतहट, सप्तरीमे १-१ गोटे कोरोना संक्रमित भेल पुष्टि कएलगेल छै ।
उल्लेखित संख्या सहित प्रदेश २ मे कोरोना संक्रमितके कूल संख्या १३ हजार ५ सय२७ पुंगल छै । जाहि मध्ये १० हजार ५सय४२ गोटे कोरोनास’ मुक्त सेहो भेल बताओलगेल छै । बुधदिन मात्र १ हजार३ सय ९४ गोटे कोरोना पर जीत हासिल कए अपन अपन घर घुरल छै ओहो बात मन्त्रालय जनौने छै ।
बितल २४ घण्टामे प्रदेशमे २ गोटाकेँ कोरोना संक्रमणस’ मृत्यु भेल छै । जाहिमे एकगोटे सर्लाही जिलाके बरहथवा वार्ड नं.६के ६६ वर्षीय पुरुष, एवं सप्तरी जिलाके अग्निसाइर कृष्णसावरन नगर पालिका ४ निवासी ३९ वर्षीय पुरुष मरल जनतब भेटल अइ ।
प्रतिक्रिया