सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । विश्वमहामारीके रुपमे पसैर रहल कोबिड-१९‘कोरोना’ संक्रमित एकटा पत्रकारकेँ मृत्यु भेल छै । ततै दूटा पत्रकार पुनः संक्रमणकेँ चपेटामे पड़ल जनतब भेटल । नेपालमे कोरोना संक्रमणस’ मरएबालामे कपिलबस्तुके पत्रकार पहिल भेल छै ।
‘कोरोना ‘ संक्रमणकेँ सिकार भेल मिथिलाजागरण पत्रिकाकेँ सम्पादक प्रकाशक एवं नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके सम्पर्कसचिव अकुलप्रसाद साह, पत्रकार राजेश साह कोरेन्टिन तथा आइसोलेशन सेन्टरमे रहिक कोरोना मुक्त भ’क’ किछुदिन पहिने अपन घर घुरलाह । हिनकासबके घर घुरलाह पछाइत पुनः एतुका दूटा पत्रकार कोरोना संक्रमित भेल छै ।
कोरोनाकेँ नवसंक्रमित पत्रकार जनकपुरधामकेँ रहल छै । एकटा सरकारी सञ्चार माध्यममे कार्यरत छैथ । दोसर नीजी सञ्चार माध्यममे कार्यरत पत्रकारकेँ पीसीआर टेष्ट कएला पछाइत पोजेटीव रिर्पोट आएल छै ।
कोरोना भाइरसके संक्रमणस’ पछिम नेपालमे एकटा पत्रकार मरल छै । पछिम नेपालके कपिलवस्तु जिला अन्तर्गत ६२ वर्षीय एकटा पत्रकारकेँ मृत्यु भेल छै । कोरोना संक्रमणस’ मरल पत्रकारके मृत्यु पछाइत चेक जांच कएला पर कोरोना संक्रमणकेँ पुष्टी भेल छै ।
मृतक कपिलवस्तुकेँ पत्रकारमे खोकी-सर्दी जकाँ समान्य लक्षण मात्र देखाएल छल । श्वांस लिअमे समस्या सेहो भरहल छल तेहन अवस्थामे दिवंगत पत्रकारकेँ अपन घरमे मृत्यु भगेल । मृत्यु पछाइत हुनक स्वाब संकलन कएलगेल आ लुम्बिनी प्रादेशिक अस्पतालके प्रयोगशालामे जांच हेतु पठाओल गेल । पठाओल गेल स्वाबके रिर्पोट सोमदिन बेरियामे पोजेटीव आएल । अइ बातके पुष्टि जिला प्रशासन कार्यालय कपिलवस्तु कएने छै ।
मृतक पत्रकारकेँ शव नेपाली सेनाद्वारा व्यवस्थापन कएलगेल छै । मृतक पत्रकारकेँ डायभिटिज,उच्च रक्तचाप, किडनीके खराबीस’ सेहो परेशान रहैत आएल छल । कोरोनास’ मरल पत्रकारकेँ बेटा समेतमे कोरोना पुष्टि भेल । जिनका आइसोलेसनमा राखल गेल छै ।
प्रतिक्रिया