सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । जनकपुरधामके मिथिला नाट्यकला परिषद् दतासभस’ सहयोग रकम ल’क’ अर्थस’ लाचार कलाकार सभकेँ नगद रकम राहत स्वरुप प्रदान करैत आएल जनतब भेटल अइ ।
अपन कलाके प्रदर्शन करैत आ ओहि बले जीवन यापन करैत आएल, कोभिड १९ के ओजहस’ बेकार भगेल कलाकारसभकेँ मिनाप ५स’७ हजार टाका धैर नगद रकम सहयोग दैत आएल छै । मिनापकेँ महासचिव शैलेन्द्र मल्लिक एहन जनतब देने छैथ ।
कोरोना भाइरसके कारण समस्यामे रहल आ हुनकासबहक दैनिक कार्यक्रम समेत बन्द भेलाक कारण अत्यन्त कठिनाह अवस्थामे गुजर बसर करए पर बाधित आर्थिक लाचारीमे रहल सभकेँ लेल दातासभस’ रकम संकलन कए प्रदान करब काज भरहल छै ।
महासचिव मल्लिक कहने छैथ । वर्तमान धैर कतेक आ कोन-कोन कलाकारकँे सहयोग कएलगेल ओ जनतब सार्वजनिक नइ कएलगेल छै । मुदा दतासभकेँ नाम ओ बतौने छैथ । कूल १ लाख २४ हजार ५ सय टाका रकम ई समाचार लीखब धैर असुली भेल छै ।
असुली भेल रकम अनुसार सहयोग सम्बन्धित कलाकारसभ को प्रदान कए चुकल छी । आओर लोक सम्पर्कमे छै हसनकासभकेँ सेहो सहयोग देबे करब आहो बचनबद्धता महासचिव मल्लिक कएलाह ।
प्रतिक्रिया