चिकित्सकव्दारा जनता सेवा, ‘‘ स्कूल अफ डेमोक्रेसी’’के तत्वाधानमे

२०७७ भाद्र २७, शनिबार १३:१७
सीमाञ्चल समदिया

  • 44
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोरोना महामारीकेँ वर्तमान समय जत’ डाक्टरसभ अपनो उपचार करबस’ डेराइत कतराइत छै । ओहन परिस्थितीमे स्वास्थ शीबिरमे निस्वार्थ सेवा प्रवाह क’क’ सुरखुरु कहौलाह । जनकपुरधाम वार्ड नं.१२-१५के बीचमे स्वास्थ शीबिर कएल गेल छै ।
‘‘ स्कूल अफ डेमोक्रेसी’’के तत्वाधानमे निशुल्क स्वास्थ शिबिर  कएलगेल । श्री माध्यमिक विद्यालय कूवामे शनिदिन  स्वास्थ शीबिर सञ्चालन कएल गेल । जतह बिभिन्न रोगके लक्ष्णयुक्त  आ प्राथमिक उपचार बास्ते जुमल लोककेँ सेहो जाँच-उपचार कएलगेल ।

उपचार, जाँच पछाइत आवश्य दबाइ सभ समेत मंगनिएमे सहभागीसभकेँ देलगेल । वार्ड नं.१२के कुवा, हनुमान नगर, वार्ड नं.१५ के रामपुर समेतके स्थानीयवासीसभ मीलाक कूल २ सय ५० गोटेकेँ स्वास्थ जांच कराक दबाई देलगेल; जनतब आयोजक संस्था स्कूल अफ डेमोक्रेसी के संयोजक नेकाँ नगरकमिटी जनकपुरधामके अध्यक्ष मनोजकुमार साह सीमाञ्चल समदियाकेँ बतौलाह ।

मानव स्वास्थमे हुअबाला गड़बडी अथवा आबला समस्याके निदानके उपाय, दबाइ बताबाला सभ तरहक दक्ष चिकित्सक आ सहयोगी चिकित्सकसभ दू दर्जनस’ अधिक प्रत्यक्ष जनतासेवामे जुड़ल छलाह । ओ बराइ योग्य काज भेल छै । विभिन्न विषयके एमडी डाक्टरसभमे स्वास्थ शीबिरमे डा.विपिनकुमार यादव (मेडिसीन), डा.सज्जन ठाकुर,(बिडीएस), डा.मनिषकुमार साह, शशीभूषण ठाकुर, डा. बिजयकुमार साह (एमएस सर्जन), डा.विकासकुमार साह, डा. अमित रञ्जन सामेल छलाह ।

तहिनाहीं डा.सन्तोष साह (इएनटी), डा.मेघा साह (बिडीएस), डा. पुनमकुमारी साह, डा. इन्द्रभूषण सिंह, डा. रोबिन झा, डा. विकासकुमार साह, डा. अमितकुमार साह, डा.कुशेश्वर यादव, डा.विकास साह, डा.धर्मेश बर्मा, डा.कुमार शम्भु, डा.मनिषा भारव्दाज, डा. सनद यादव, डा. रघुरन्जन साह सेवा ग्राहीसभकेँ सेवा प्रदान कएलाह ।

  हिनकासभके सहयोगमे हात बंटाब लेल एचए/अहेबसभ सुमनकुमार ठाकुर, नजमउदीन नदाफ, राकेश यादव, शत्रुध्न यादव, आदित्य साह, घनश्याम झा सेहो सेवा प्रवाहमे प्रशंसनीय काज कएलाह ।

एकर अतिरिक्त आयोजक दिसस’ स्वयं मनोजकुमार साह, परिवर्तनकामी जोशिला युवा राकेशबिक्रम साह, दिपक ठाकुर, वार्ड नं.१५के अध्यक्ष अशोकर चौधरी, पूर्व वार्डअध्यक्ष रामचन्द्र साह, जनकपुर युथ क्लबके चन्दन राय, विद्यालयके शिक्षक राजु दास, जगदेव दास, राजेन्द्र पजियार, किशोरी मण्डल, युगलकिशोर साह, अरुण नायक, व्यापारी रामबाबु साह, शम्भु साह, एवं वाइएमसी टीमके अभिशेष साह सहितकेँ युवाजमात लोकके सेवामे खमखम करैत देखल गेल ।

कार्यक्रमके शुभारम्भ कालमे प्रदेशसंसद रामसरोज यादव, जउबासंघकेँ बरिष्ठ उपाध्यक्ष जितेन्द्रप्रसाद साह, पूर्वअध्यक्ष निर्मलकुमार चौधरी सहितके काँग्रेसी नेता तथा कार्यकर्ता सेहो जुमल छलाह । कोरोना महामारी बिरुद्ध समेत चेतनशील बनाबके मनसायस’ सञ्चालन कएलगेल स्वास्थ्य शीबिर भिन्सर १० बजेस’ ३ बजेधैर चलल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया