सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पूर्वीधनुषा जिलाके शहिदनगर नगरपालिका अधिन स्वास्थ्यकेन्द्रके मीली भगतमे कोरोना बिरुद्धके सूइयां एकटा नीजी दबाई दोकानमे बिक्री होइत देखल गेला पर प्रहरी दू गोटेके पकैरक कार्यवाही आगु ससारने छै ।
शहीदनगर नपा सदरमुकाम यदुकूहा स्थित श्रीराम मेडिकल नामक दबाई दोकानमे कोरोना बिरुध्दके सूइयाँ बिक्री करब लेल राखल गेलापर पकरल गेल जनतब इप्रका यदुकूहास’ भेटल ।
दोकानदार सहित पकरलगेल सूइयां आधादर्जन संख्यामे रहल छै । जाहिमे ४ टा भेरोसेल, १ टा जोन्सन एन्ड जोन्सन, १ टा अस्ट्राजेनेका कोरोना बिरुद्धके सूइया भेटल बात बुझएमे आएल ।
शहीदनगर नपाके सुशासन समिति एवं स्थानीय प्रहरीके संयुक्त अनुगमन क्रममे कोरोना बिरुद्धके सूइया भेटला पर दबाई दोकान सञ्चालक कमलेश मण्डलकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने छै ।
प्रहरीव्दारा पकरलगेल मण्डलकेँ पुछताछ कएला पछाइत शहदिनगर स्वास्थ्य केन्द्रमे कार्यरत् स्वास्थ्यकर्मी देवशरण यादव बेच लेल देने छल । हुनके मीलीभगतमे कोरोना बिरुद्धके सूइया चोरदोगाठी बाट दने बेचब काज कएल जारहल छल । एहन जनतब प्रहरीके भेटला पर अनुगमन कएलगेलापर बात सत्य साबित भेल छै ।
सहज रुपस’ सूइया उपलब्ध नइ भरहलास’ विशेषक बैदेशिक रोजगारमे जाएबाला लोक ब्लेकमे कीनक सूइयां लाब लेल मूँह मांगल रकम दैत छल । दबाई दोकान्दारके कहब अनुसार प्रहरी स्वास्थ्यकर्मी यादवकेँ सेहो नियन्त्रणमे लेलक ।
दूनुगोटेकेँ पकैरक विशेष कार्यवाही लेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषामे आनल गेल बात सेहो बुझएमे आएल । स्वास्थ्यकर्मी यादव यदुकोहा स्वास्थ्य केन्द्रमे अस्थायी दरबन्दीमे कार्यरत् कर्मचारी छैथ ।
प्रहरीके भेटल कोरोना बिरुद्धके सूइया मादे भेरोसेलक १ टा एवं अस्ट्राजेनेके सूइया खुजल भेटल छै । बांकी सभ बन्न शीशी रहल छै । एकटा शीशीमे पाँच गोटेकेँ डोज रहैत छै ।
प्रतिक्रिया